• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बिहार मे चौबीसों घंटा अर्थ ऑवर

March 31, 2011
in समाचार
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021

पटना। देश भर मे 26 मार्च के अर्थ ऑवर मनाएल जा रहल अछि. अर्थ ऑवर पर सभ लोक शनिदिन राति के साढ़े आठ बजे सं साढ़े नौ बजे तक बिजली नहि जलाएताह. स्विच ऑफ रखताह.
मुदा बिहार मे कोन अर्थ ऑवर? बिहार मे त लाइन ओहिना नहि रहैत अछि. आओर आई-काल्हि तं एहन बिजली संकट अछि जे पिछला तीन दिन सं बल्व टिमटिमैबो नहि करल अछि.
बिहार के जतेक चमकय के छल ओ बिहार उत्सव पर तीन दिन 22 मार्च सं 24 मार्च धरि पटना मे चमकि गेल. सभ रोड… पार्क… बिल्डिंग… रंगशाला तीन दिन चमकैत रहल…जगमगाएत रहल.
उत्सव खत्म फेर बिहार अन्हारक चपेट मे. ई हाल पूरा बिहारक अछि. लोक सभ जे बिहार उत्सव पर बिहारक गुणगान करय छलाह आब तीन दिन सं लाइट कटला पर अधिकारी -मंत्री के गरिआ रहल छथिन्ह.
बिजली संकट सं राज्य भर मे कोहराम मचल अछि. धरना…प्रदर्शन… रोड जाम सभ भ रहल अछि. बिजली नहि रहला सं शहर मे पानिsक संकट सेहो भs गेल अछि. लोक के जीनाए-मरनाए एक भs गेल छनि.
गाम के लोक तं चापाकल सं काज चला लय छथिन्ह… एहि गर्मी मे गाछ तर बैस किछ ठंडा जाए छथिन्ह . मुदा शहर के सुकुमार लोक कि करथिन्ह? ताव एहन मारि रहल छनि जे बैचेन भेल छथिन्ह.
टंकी सं पानि नहि आबय के कारण चापाकल पर बाल्टी लsक दौड़ि रहल छथिन्ह… कल चलाबय के आदत नहि होए के कारण पसीने -पसीने भs जा रहल छथिन्ह. सभ सं परेशानी तं पानि भरला के बाद बाल्टी के तीन मंजिला- चारि मंजिला मकान पर ल जाए मे भs रहल छनि. जे लोक…बच्चा सभ के ई सभ नहि करय पड़ि रहल छनि ओ विश्वकप मैच नहि देख पाबय के कारण परेशान छथिन्ह. अगर भारत-पाकिस्तान मैच तक हाल ठीन नहि भेल त माहौल बिगड़ि सेहो सकैत अछि.
असल मे तालचर बिजलीघर के दूटा आओर फरक्का के एकटा यूनिट मे उत्पादन ठप भ गेल अछि. कांटी के सेहो सेहे हाल अछि. बरौनी बिजलीघर सं से मुश्किल सं उत्पादन भ रहल अछि. एकरे संग केन्द्रीय कोटा सं जे बिजली मिलबाक चाही ओहि मे भारी कटौती करि देल गेल अछि. एक त कोढ़ ऊपर सं खाज वाला हाल भ गेल अछि. केंद्र बिहार के संग पक्षपात जगजाहिर अछि.
बिहार मे जतय करीब ढ़ाई हजार मेगावाट बिजली के जरूरत अछि ओतय मिल रहल अछि सिर्फ सात-आठ सय मेगावाट… एहि मे सं आधा बिजली इमरजेंसी सेवा मे चलि जाएत अछि. बाकि बिजली मे पूरा बिहार. सोचि सकय छी राज्य के हाल. एकदम सं त्राहि-त्राहि मचल अछि. हालात तं तखन आओर बिगड़ि सकैत अछि जखन बिजली कर्मचारी 27 मार्च सं हड़ताल पर चलि जएताह. ओ सभ हड़ताल पर जाए के घोषणा करने छथिन्ह. तं कहि सकय छी जे जखन चौबीसों घंटा बिजली ऑफे अछि त केहन अर्थ ऑवर. बिहार लेल तं सदिखन अर्थे ऑवर अछि. कि कहय छी अहां?
साभार – हैलो मिथिला

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

January 7, 2021

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

January 5, 2021
Next Post

2013 धरि रहत बिहार मे बिजली संकट

बिहार अन्‍हार भेल नहि, कैल गेल अछि : बेरौलिया

Esamaad Epaper Website

बिहार कैलक योजना राशि क पूरा उपयोग

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

बेसी पढ़ल गेल

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

by संपादक
December 19, 2020
0
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

ईश्वर नाथ झा नई दिल्ली/ दरभंगा: आधुनिकता क दौड़ मे मिथिला क पंजी सूत्र क संरक्षण लेल पिछला किछु साल...

Read more

नहि रहलाह रामानंद रेणु : साहित्य गगनक एकटा आर नक्षत्रक अस्त

by संपादक
August 14, 2011
4

Read more

बिहारी चलल अपन देस, लुधियाना मे मजदूर क टोटा

by संपादक
January 6, 2010
0

Read more
Esamaad

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि