मधुबनी । बिहार क मिथिला पेटिंग कए देश विदेश मे लोकप्रिय बनेनिहारि पद्मश्री महासुंदरी देवीक हुनकर पैतृक गाम मे गुरु दिन निधन भ गेलैनि। ओ 92 वर्षक छलथि। महासुंदरी देवी क पारिवारिक सूत्र बतेलथि जे ओ पिछला किछु मास स बीमार चलि रहल छलीह आओर आय भोर साढ़े नौ बजे हुनकर निधन भ गेल। हुनकर अंतिम संस्कार शुक्रदिन राजकीय सम्मान क संग कैल जाएत। हुनकर परिवार मे तीन टा बेटा क अलावा बेटी सेहो अछि। महासुंदरी देवी अपन अंतिम दिन मे मधुबनी जिला क राजनगर थाना क्षेत्र स्थित अपन पैतृक गाम रांटी मे रहि रहल छलथि। हुनका पद्मश्री क अलावा शिल्प गुरु, तुलसी सम्मान आओर राष्ट्रीय, राजकीय पुरस्कार समेत कईटा सम्मान भेटि चुकल अछि। हुनकर द्वारा निर्मित मिथिला पेटिंग क मांग देश क अलावा विदेशो मे अछि। मिथिला पेटिंग क मादे सुंदरी देवी कईटा देशक भ्रमण सेहो क चुकल छथि। महासुंदरी देवी क निधन पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शोक प्रकट करैत कहला जे महासुंदरी देवी एकटा महान कलाकार छलीह। ओ बिहार क संस्कृति कए सदूर देश तक पहुंचेबाक काज केलथि। हुनकर अंतिम संस्कार राजकीय सम्मान क संग कैल जाएत। मधुबनी क सांसद हुक्मदेव नारायण यादव एकरा अपूरणीय क्षति कहैत कहला जे महासुंदरी देवी मिथिला पेंटिंग लेल जीवन भरि काज करैत रहलीह। विधान पार्षद डॉ. विनोद सिंह कहला जे मिथिला पेंटिंग कोना ऊंचाई पर पहुंचत आ मिथिला क धीया एहि माध्यम स आर्थिक आत्मनिर्भर कोना बनतीह एकरा लेल ओ सतत चिंतित रहैत छलीह। विधायक विनोद नारायण झा कहला जे सीता देवी क पीढ़ी क एकटा आओर कलाकार हमरा सबहक बीच स चल गेल। विधायक अरुण शंकर प्रसाद कहला जे ओ मिथिला पेंटिंग कए जाहि ऊंचाई पर ल गेलीह ओहि स हुनका अमरत्व भेट गेल अछि। समस्त मिथिला लेल इ शोक क समय छी। विधायक रामलखन राम रमण कहला जे हम सबहक बीच स एकटा विशिष्ट कलाकार चल गेल। जेकर भरपाई निकट भविष्य मे संभव नहि अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa