• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home फीचर

कविता : ईशनाथ झा क हिडिम्बा

ईशनाथ झा मैथिली क संग बहुत भाषा मे लिखैत छथि।

November 11, 2019
in फीचर
154
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020
यौ महापराक्रमी पांडव
गदाधारी भीम !
सखी -समुदाय पूछैए
जे हम इंद्रप्रस्थक राजप्रासाद मे
कियै नै रहै छी,
कियै बौआइत छी रने-बने
द्वितीय पांडवक अर्धांगिनी बनियो कें ?
स्पष्ट दृश्य देखा रहल अछि
द्रौपदी महाराज्ञी बनि बैसल छथि मठोमाठ
आ’ हम छिछिया रहल छी जंगलक
फूल-पात, गाछ-वृक्ष आ जंतु-जीवक बीच
पाञ्चालीक अग्नि-रथ मे
हमर बलशाली भीम
जोतल छथि अनमन कोनो अश्व जकाँ
जकर स्वर्णाभ-रक्तिम वल्गा
दमकि रहल छनि हुनकर हाथमे
हे वृकोदर महाकाय ,
एतय सँ गेलहु जहिया
उद्दाम प्रेमक परिचय दैत
पुछलहु नहि कहियो
जे हम कतय छी, केना छी
आ’ हम छी जे अहाँकें
बिसरैत नहि छी !
मानैत छी जे
हमहीं केने रही प्रणय-निवेदन
नहि छल कौलिक अभिजात्यताक लेशो भरि अंश
निर्लज्ज, पतित जकाँ भ’ गेल रही समर्पित
तैं की ?
हम नहि रही सजीव स्त्री जातिक प्रतिनिधि ?
हिडिम्ब, हमर भाइ
भले रहल हो दुष्ट, क्रूड़, अमानवीय आ पाशविक
प्रवृत्ति संँ भरल दैत्य
मुदा छल हमर सहोदर
जकर वध कयलाक बाद
भेटल रही अहाँकें हम उपहारस्वरूप !
आब की ?
आब ने हमरा हिडिम्ब अछि ने महाबलशाली भीम
खोंता नष्ट केलहु अपने
आ चिड़ै जकाँ उड़ि गेलहु अहाँ !
बुझै छियै हम जे
द्रौपदी नहि करतथि
हमरा अंगीकार
सुभद्रा तँ मात्र श्रीकृष्णक बहिन
हेबाक कारणें हुनका छथि स्वीकार
मुदा, हे हमर प्रियवर !
माता कुन्ती पर छल विश्वास
सहनशीलताक सद्यः प्रतिमूर्ति
माय कुन्ती सेहो
कहियो इच्छा व्यक्त नहि केलनि
हमरा हस्तिनापुर वासिनी बनेबाक
तकर होइत अछि दुख जे
नारी स्वयं नारीक व्यथा नहि बुझैछ
वा निर्दयी बनि अपन स्वार्थ सधैछ।
ओतय राजसूय यज्ञक धूम मचल अछि
आ हमर कामना, हमर अपेक्षा
उपेक्षित रहल अछि
हमर कल्पनाक उड़ान
कियो नहि जनैत अछि
हमरो भ’ सकैए सौख-सेहन्ता
कियो नहि बुझैत अछि
वासुदेव कृष्ण तँ कहलक सब जे
योगीश्वर छथि, परब्रह्मक अवतार छथि
हुनकहि सँ कहाँ कियो पुछैत अछि ?
सखी-प्रश्न संँ उद्वेलित
अहाँक हिडिम्बा
सब बेर एहि उत्तर सँ बचि जाइत छी
जे कृष्ण-भगिनीक अतिरिक्त तँ
आओर कोनो रानी-पटरानी
नहि रहैत अछि हस्तिनापुर
आ’ हम चलिए जायब ओतय
तँ लागब केहन
राक्षसी काया कें नुकायब केना
नीको तँ नहि लागब अपन बनैया परिधान मे
आ हमर जंगली फूल सन
सुंदर पर विशाल
घटोत्कच केहेन लागत
राजसी वस्त्राभूषण सँ सुसज्जित
राजपुत्रक बीच !
परंतु हे हमर प्राणवल्लभ,
रूप-सौंदर्य-देहयष्टि भले
हमरा नहि हो द्रौपदी सन
हृदय तँ हमर ठीके अछि
कोमल, सरल, निश्छल
सरोवर मे फुलायल पुष्प सनक !
Tags: maithilisahitya
Share154TweetPin

Related Posts

New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020
कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

January 12, 2020
कविता : तारानंद वियोगी क विस्मयादि

कविता : तारानंद वियोगीक क्यो नहि पसंद करै छनि हुनका

January 11, 2020
Next Post
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

अगिला साल गांधी मैदान मे होएत विद्यापति समारोह : सुशील मोदी

अगिला साल गांधी मैदान मे होएत विद्यापति समारोह : सुशील मोदी

कविता : तारानंद वियोगी क विस्मयादि

कविता : तारानंद वियोगी क जेना सरिपहुं मैथिले छलहुं

टटका समाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

बेसी पढ़ल गेल

एखनो अछि मिथिलाक छाती पर गरल सुगौली कील क टीस

by संपादक
March 5, 2017
1

Read more

इंग्लैंड क टावर ब्रिज सन बीपी मंडल सेतु पर अगस्त सँ दू पहिया वाहनक परिचालन संभव

by संपादक
June 25, 2018
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more
Esamaad

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि