• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home संपादकीय

कोना होएत नीतीश क विरोध

November 18, 2016
in संपादकीय, समाचार
85
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
प्रितिलता मल्लिक
narendra-modi-nitish-biharसर्जिकल स्ट्राइक आ आब नोट बंदी , केंद्र सरकार क हालक दूनू फैसला क संग नीतीश ढार देखेलथि। मोदी आ नीतीश राजनीतिक दूटा ध्रुव कहल जाइत छलाह। लालू आ नीतीशक बीच भेल गठबंधन बिहार मे मोदीक अश्वमेघ क घोड़ा कए रोकी लेलक। देश-दुनिया मे इ चर्च शुरु भेल जे नीतीश एकटा मजबूत विकल्प छथि। जदयू त विधिवत रूप स बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी क विकल्प क रूप मे सामने अनबाक कोशिश शुरु क देने छल। फेर अचानक एहन की भेल जे नीतीश कुमार केंद्र सरकारक दूटा एहन फैसलाक संग भ गेलाह जाहि मे पूरा विपक्ष केंद्र सरकार क आलोचना क रहल छल। राजनीतिक गलियारा मे तरह तरह स एहि पर चर्च शुरु भ गेल। किछु लोक एकरा महागठबंधन मे उत्पन्न दरार बतेलक त किछु लोक नीतीश क राजग मे लौटबाक संकेत बुझौलक। नीतीश क राजनीति नीतीश क अलावा बहुत कम लोग जनैत अछि। नीतीश देशक बहुत कम नेता मे स छथि जे अपन आगूक रणनीति अपन छाया तक कए नहि बतबैत छथि। एक दू नहि बल्कि कईटा फैसला ओ आगामी पांच साल कए नजरि मे राखि लैत छथि। नीतीशक बयान और हुनकर राजनीतिक फैसला में कईटा संदेश होइत अछि। मोदी सरकारक फैसलाक समर्थन सेहो नीतीश क एकटा रणनीतिक अंग थीक। जेकर भान ओ समस्तीपुर क चेतना रैली मे राजनीतिक पंडित लोकनि कए करा देलथि अछि। नीतीश कुमार आजुक तारीख मे अपना कए मोदी क सबस पैघ आ सबसे मजबूत विकल्प क रूप मे स्थापित करबा मे जुटल छथि। नीतीश कोनो विपक्षी नेता स अपना कए बेहतर साबित करबा मे विश्वास नहि रखैत छथि। ओ चाहैत छथि जे हुनकर तुलना ममता, केजरीवाल या राहुल गांधी स नहि भ सीधा मोदी स हुए। राजनीतिक जानकार सेहो एहि बात स सहमत छथि जे अगिला लोकसभा चुनाव मोदी बनाम मोदी विरोध होएत। एहन मे मोदी स बेहतर विकल्प क चर्चा होएत। एहि चर्चा मे ममता, केजरीवाल या राहुल गांधीक नीति कए बहसक विषय नहि बनाउल जाएत। बहसक विषय मोदीक नीति रहत आ ताहि मे जनभावना स जुड़ल मुद्दा आ फैसला प्रमुखता स उठाउल जाएत। एहि तथ्य स ककरो इनकार नहि जे सर्जिकल स्ट्राइक आ कालाधन पर चोट देशक आम लोक कए नीक लागल। नीतीश इ दावा करैत एलाह अछि जे भ्रष्ट लोकक घर क कुर्की-जब्ती क भ्रष्टाचार क खिलाफ सबस पहिने प्रहार हुनकर सरकार केने अछि। एहन मे कालाधन पर चोट लेल नोटबंदी क समर्थन हुनकर मुहिम क हिस्सा थीक। मोदी जेकां ओ सेहो एहन फैसला ल सकैत छथि। नीतीश एहि बहस कए आगू ल चेबाक तैयारी मे छथि आ इ कहबा लेल तैयार छथि जे ओ फैसला त मोदी जेकां ल सकैत छथि, मुदा मोदी हुनकर जेकां फैसला लेबा स पहिने विचार नहि करैत छथि। मोदीक फैसलाक समर्थनक पाछु नीतीश कुमार एकटा पैघ राजनीतिक दांव इ अछि जे ओ राहुल, माया, केजरीवाल जेकां मोदी क विरोधी नहि, बल्कि मोदी स बेहतर विकल्प क रूप मे अपना कए प्रस्तुत करबाक कोशिश क रहल छथि। ओ जनैत छथि जे सर्जिकल स्ट्राइक या नोटबंदी स जनता खुश अछि, ओकर परेशानी ओकर क्रियान्वयन स अछि आ नीतीश ताहि लेल फैसला क समर्थन त खुली कए क रहल छथि मुदा संगहि इ सेहो दावा क दैत छथि जे ओ बिना सोचने-बुझने कोनो फैसला नहि लैत छथि। आजुक भारतीय राजनीति में नीतीश असगर एहन नेता छथि जे मोदीक विरोधी नहि बल्कि मोदी से बेहतर नेता कहल जा सकैत छथि। एहन मे नीतीश क विरोध कए करत।
Share85TweetPin

Related Posts

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

January 7, 2021

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

January 5, 2021
Next Post

गया कए भेटत मेट्रो रेल, केंद्र मंगलक रिपोर्ट

कागजपर लिखल इतिहास पर हो काज : पं गोविंद झा

डीएमसी क छात्र करताह बिहार क सबसे पुरान अस्पताल मे इलाज

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

बेसी पढ़ल गेल

एखनो अछि मिथिलाक छाती पर गरल सुगौली कील क टीस

by संपादक
March 5, 2017
1

Read more

इंग्लैंड क टावर ब्रिज सन बीपी मंडल सेतु पर अगस्त सँ दू पहिया वाहनक परिचालन संभव

by संपादक
June 25, 2018
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more
Esamaad

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि