• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

राजगीर मे भेटत आब स्काईवॉक क मजा, तैयार भेल देशक दोसर गलास ब्रिज

4 KM क लम्बाई मे जंगल मे वन्य जीव पक्षी आ तितली क बीच अहाँ जेबै भुतियाइ ग्लास ब्रिज औकर हिस्सा अछि।

December 17, 2020
in समाचार
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

ज्योत्सना मिश्रा
राजगीर। चीन मे कांच क बनल पुल (ग्लास ब्रिज) क विषय मे अहाँ सब बहुत सुनने होयब। फोटो आ वीडियो सेहो देखने होयब। एकरा नजदीक सँ देखय क कामना आ अई पर चलबाक हसरत सेहो भेल होयत। त अहाँक इ कामना जल्द पूरा होबयवला अछि। पांच टा पहाड़ी सँ घेरल बिहार क राजगीर में ग्लास ब्रिज बनि क तैयार भ रहल अछि। एहि नव वर्ष मे पर्यटक लेल इ खोलल जायत।

चीनक सन पर्यटक लेल तैयार भेल
बिहार क पहिल ग्लास ब्रिज (85 फुट लंबाई, 06 फुट चौड़ाई) एखने सँ लोकक मन मोहि रहल अछि। अंतरराष्ट्रीय पर्यटक स्थल राजगीर मे जाड़क दिन मे बहुत संख्या मे पर्यटक आबय छथि। अइ बेर हुनका एतौ अलगे रोमांच क अनुभव होयत। अय ठाम क घन जंगल मे नेचर सफारी सेहो ( 500 एकड़ में) बनाओल जा रहल अछि। एतै अहाँक भेटत ग्लास स्काइ ब्रिज, जे लगभग तैयार भ गेल अछि। इ पूरा शीशा आर स्टील क फ्रेम सँ बनल अछि।

250 फुट क ऊंचाई पर बनल एहि ट्रांसपैरेंट ब्रिज पर चलनाय रोमांचकारी अनुभव होयत। अए पर चलि कए लोक अपना के हवा मे महसूस करता। एहि ब्रिज कए चीन क देखा-देखि हेबई प्रांत क एस्ट तैहांग मे बनल स्काइ वॉक क तर्ज पर बनाओल गेल अछि। ई बिहार क पहिल आ देश क दोसर ब्रिज अछि। देश क पहिल ग्लास स्काइ ब्रिज सिक्किम क पोलिंग में बनल अछि। अनुमान अछि जे नया साल क मार्च तक इ आम लोक लेल प्रारंभ् भ जायत।

अय ग्लास ब्रिज कए चीन मे बनल 120 मीटर ऊंच कांचक पुल क तर्ज पर बनाओल गेल अछि। ऐहि ठाम पुल पर चलि क लोक अपन नीचा क धरती कए देख कए आनंद सेहो ल सकैत छथि। एहि नब वर्ष मे बिहार क लेल इ बड़का सनेस अछि। राजगीर मे वेणुबन के अंतगर्त जू सफारी आ नेचर सफारी क शुभांरभ सेहो होएत। सातम बेर बिहार क बागडोर लेलाक क 16 दिन बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अय ठाम क दौरा क निरीक्षण केने छलखिन। इ हुनकर ड्रीम प्रोजेक्ट क रूप मे जानल जाएत।

बिहार कए 2021 मे भेटैयवाला बड़का सनेस
4 KM क लम्बाई मे जंगल मे वन्य जीव पक्षी आ तितली क बीच अहाँ जेबै भुतियाइ ग्लास ब्रिज औकर हिस्सा अछि। एकर काज लगभग पूरा भ गेल अछि। जई क ऊपर चलि कय अहाँ रोमांचित महसूस करब। संगे संगे एहि ठाम रत्नागिरि पर्वत पर अत्याधुनिक आठ शीटर रोप वे क निर्माण कएल जा रहल अछि। जेकरा बड जल्दी आम जनता क लेल खोलल जाएत। इ वेणुवन विहार भगवान बुद्ध सँ जुड़ल अनुयायी सब क लेल बेसी महत्व राखत। अहि वेणुवन में भगवान बुद्ध राजगीर मे अनेकों वर्ष तक निवास केयने रहथि।

दोसरसमाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
Tags: glass bridgeSkywalk
ShareTweetPin

Related Posts

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

January 7, 2021

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

January 5, 2021
Next Post
आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

टटका समाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

बेसी पढ़ल गेल

इंग्लैंड क टावर ब्रिज सन बीपी मंडल सेतु पर अगस्त सँ दू पहिया वाहनक परिचालन संभव

by संपादक
June 25, 2018
0

Read more

नहि रहलाह रामानंद रेणु : साहित्य गगनक एकटा आर नक्षत्रक अस्त

by संपादक
August 14, 2011
4

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more
Esamaad

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि