• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home चित्रालय

देशरत्न क 125म जयंती पर सरकारक उपेक्षांजलि

December 3, 2009
in चित्रालय
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

Esamaad Epaper Website

हंसी ठीठौली

July 30, 2018

फेर एक बेर नीतीश कुमार

November 20, 2015

वैवरेंट दरभंगा क सफल आयोजन

November 29, 2013

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

August 21, 2013

rajenda
शायद दुनिया क कोनो देश अपन युगपुरुष आ पहिल राष्टï्रपति क धरोहर, स्मृति आ प्रतीक चिन्ह कए एतबा उपेक्षित रखने होयत। जतय देश क राष्ट्रपिता महात्मा गांधी, प्रथम प्रधानमंत्री पंडित जवाहरलाल नेहरू क समाधि, स्मृति आ पैतृक घर मे बसल हुनकर स्मृति कए संजो कए संरक्षित राखल गेल अछि ओहि ठाम हुनका सब संग कंधा स कंधा मिला कए आजादी क लड़ाई लड़निहार, संविधानसभा क अध्यक्ष, देश क प्रथम राष्ट्रपति डॉ राजेंद्र प्रसाद क समाधि, स्मृति आ पैतृक घर सबटा बदहाली आ उपेक्षा क शिकार अछि। हुनकर 125म जयंती पर कोनो वार्षिक राजकीय समारोहक आयोजन नहि करबाक घोषणा करि केंद्र सरकार एक बेर फेर बिहार पुत्र, संविधान निर्माता आ दू बेर देशक राष्ट्रपति हेबाक गौरब पउनिहार देशरत्न डॉ राजेंद्र प्रसाद कए उपेक्षांजलि अर्पित केलक अछि।

पैतृक घर- जीरादई

हारिए ना हिम्मत बिसारिए ना हरिनाम
जाहि विधि राखे राम, ताहि विधि रहिए। ..इ शब्द, इ वाक्य लिखल अछि देशरत्न क गाम मे अवस्थित राजेंद्र शिशु उद्यान मे लागल हुनकर प्रतिमा क नीचा मे, जे उद्यान आइ मवेशी क चारागाह बनि चुकल अछि। प्रतिमा लग अंकित इ पक्ति हुनकर चाहनिहार कए सांत्वना देबा लेल शायद लिखल गेल अछि। किया कि हुनकर पैतृक घरक हालत सेहो एहि उद्यान स नीक नहि अछि। ओना कहबा लेल हुनको पैतृक निवास कए भारतीय पुरातत्व विभाग संरक्षित स्मारक घोषित केने अछि मुदा ओ सीवानक आनंद भवन नहि बनि सकल। सीवान जिला मुख्यालय स लगभग 16 किलोमीटर दूर जीरादेई गांव मे डॉ राजेंद्र प्रसाद क जन्म तीन दिसंबर, 1884 को मुंशी महादेव सहाय क परिवार मे भेल छल। लगभग 5 बीघा जमीन मे बनल हुनकर निवास मे महात्मा गांधी क सेहो ठहरल छथि, मुदा आइ कईटा कोठली मे खिड़की-किवाड़ तक नहि अछि। देशरत्न क उपेक्षा पर सीवान स नवनिर्वाचित निर्दलीय सांसद ओमप्रकाश यादव कहला जे राजेंद्र बाबू क जन्मस्थली सरकार क नजरि आइ धरि नहि आयल। जीरादेई कए एकटा पर्यटक स्थल क रूप मे विकसित करबाकचाही।

समाधि स्थल -पटना

लकड़ी स झांपल, कुत्ताक आरामगाह
बांस घाट स्थित राजेंद्र बाबूक समाधि स्थल तकबा मे परेशानी भ सकैत अछि। पिछला किछु साल पहिने तरूमित्र नामक संगठन पटनाक स्कूली छात्र स एकटा सर्वे मे इ पूछने छल जे राजेंद्र बाबूक समाधि कोन शहर मे अछि। आंकड़ा चौंका देलक मात्र तीन फीसदी छात्र एकर ठीक उत्तर द सकलाह। जाहि मे स एकटा छात्रा त राजेंद्र बाबूक संबंधी छलीह। हालात एखनो एहि बदलल अछि। साल मे दू दिन धोयल-माजल जाइवाला राजेंद्र बाबूक समाधि पर ओना आम दिन कुत्ताक मौजूदगी देखल जा सकैत अछि। समाधि पर लिखल हे राम मे स हे गायब होइत रहल अछि। लाइट गायब अछि। चौकीदार तकबा स नहि भेटत । छोट सन बनल उद्यान मे फूल कहिया उगल आ कहिया खत्म भेल इ कागजे पर पता लागि सकैत अछि। गौरतलब अछि जे समाधि स्थलक पर एहि छोट सन उद्यानक निर्माण 1984मे कैल गेल अछि। निश्चित रूप स इ स्थल पटना मे राजघाट या शांतिवन स नहि अछि। सच कहि त दिल्ली स्थित कोनो समाधि स्थल एकरा स सौ गुना बेहतर ढंग स बनाउल गेल अछि आ रख-रखाब भ रहल अछि।

जतए गेलन प्राण – पटना

10 गोटे तक नहि अबैत अछि स्मृति क फूल चुनबा लेल
पटना। नहि कतए कोनो बोर्ड आ नहि कोनो एहन इशारा जे आगू जखन घुमब आ बांस क खपच्ची स बनल अस्थायी पुलिया कए पार करब त सामने ओ उपेक्षित खपरैल क घर भेटत, जतए कोनो समय देश क प्रथम राष्ट्रपति भारत रत्न डॉ. राजेंद्र प्रसाद रहैत छलथि। एहि ठाम कए राजेंद्र स्मृति संग्रहालय नंबर-1 कहल जाइत अछि। भवन क बरामदा मे राजेंद्र बाबू क तस्वीर क अलावा और किछु नहि अछि। राष्ट्रपति क पद स जखन राजेंद्र बाबू अवकाश ग्रहण केने छलथि त अपन इच्छा क अनुसार एहि ठाम रहलथि। बिहार विद्यापीठ परिसर स्थित इ खपरैल क आवास स राजेद्र बाबू आजादी क लड़ाई मे अपनेक झोंकने छलथि। महात्मा गांधी सेहो कई बेर इ खपरैल मे ठहरल छलथि। एहि ठाम राजेंद्र स्मृति संग्रहालय सेहो अछि, जतए माह भरि मे तीन सौ टा लोक नहि अबैत अछि। जखन पूरा देश 3 दिसंबर कए देशरत्न डा. राजेंद्र प्रसाद क 125 वीं जयंती मनाबैत छल, तखन हुनकर एहि अतिप्रिय स्मृति पर ठीक स रोशनी क प्रबंध नहि कएल छल।

Tags: राजेंद्र प्रसाद
ShareTweetPin

Related Posts

Esamaad Epaper Website

हंसी ठीठौली

July 30, 2018

फेर एक बेर नीतीश कुमार

November 20, 2015

वैवरेंट दरभंगा क सफल आयोजन

November 29, 2013

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

August 21, 2013

वाह रे तोहर भाग्य, वाह रे हम्मर भाग्य

August 14, 2013

किछु एहन होएत नालंदा विश्वविद्यालय

May 18, 2013
Next Post

मेधा दिवस क रूप मे मनाउल जाएत राजेंद्र बाबू क जयंती : मुख्यमंत्री

Esamaad Epaper Website

गंगा क सफाई लेल भेटत एक अरब डॉलर

Esamaad Epaper Website

आब प्लेटफॉर्म पर स्त्रीगण उठउतथि बोझ

Comments 1

  1. Dayakant says:
    13 years ago

    Etihas Gabag achhi je Bihar ke sadikhan upekshit kayal gel, Jakhan ke Makanak Nim se lay ke Deshak nib aur okar vikas me sayad Bihar aur Bihari ke sabse besi yogdan chhaik, rahal baat Rajendra Babu (Deshak Gourab) ke upekshit kay ke kendra sarkar sanghi deshak aan bhagak lok Ee sabit karay chahait acchi je Bihar ke upekshit kay ke rakhla me phayda acchi “Sanga Deshrattan Dr. Rajendra Prasad ke Sat-Sat Naman”

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि