• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

गंगा क बाद आब कोसी समेत सातटा नदी होएत साफ, मिथिलाक एहि शहर मे लागत सीवरेज ट्रीटमेंट प्लांट

गंगा नदी मे नमामि गंगे परियोजना क तर्ज पर कोसी, बूढ़ी गंडक, सोन, गंडक, किऊल, बागमती आ महानंदा नदी मे खसयवला गंदा पानि क सीवेज ट्रीटमेंट प्लांट (एसटीपी) क माध्यम सँ साफ करबाक योजना अछि।

December 15, 2020
in समाचार
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

ज्योत्सना मिश्रा
पटना । गंगा क अलावा राज्य क सातटा नदी कए स्वच्छ करबाक तैयारी चलि रहल अछि। एहि नदी क कातमे बसल शहर सबसँ निकलयवला सीवरेज आ ड्रेनेज क गंदा पानि कए साफ क कए वापस नदी में खसेबाक लेल प्रोजेक्ट तैयार कयल जा रहल अछि। गंगा नदी मे नमामि गंगे परियोजना क तर्ज पर कोसी, बूढ़ी गंडक, सोन, गंडक, किऊल, बागमती आ महानंदा नदी मे खसयवला गंदा पानि क सीवेज ट्रीटमेंट प्लांट (एसटीपी) क माध्यम सँ साफ करबाक योजना अछि। एहि क लय कए नगर विकास आ आवास विभाग क निर्देश पर बिहार शहरी आधारभूत संरचना विकास निगम लिमिटेड क तरफ सँ योजनाक डीपीआर तैयार कयल जा रहल अछि।

कोसी आ बूढ़ी गंडक क प्रोजेक्ट एहि परियोजना क तहत कोसी नदी सँ जुड़ल तीन शहर सहरसा, सुपौल आ मधेपुरा में एसटीपी आ आइएडडी बनाओल जयबाक अछि। फिलहाल एहि शहर सबकए डीपीआर तैयार कय बीतल नवंबर मे नीरी कए पठाउल
जा चुकल अछि आ एनएमसीजी क स्वीकृति क लेल केंद्र कए प्रोजेक्ट पठाउल गेल अछि। बूढ़ी गंडक नदी सँ जुड़ल मुजफ्फरपुर, मोतिहारी आ समस्तीपुर क लेल एसटीपी आ सीवरेज पाइप लाइन क प्रोजेक्ट अछि। डीपीआर तैयार होबाक स़ग जमीन एनओसी कए प्रक्रिया चलि रहल अछि।

सोन आ गंडक नदी क प्रोजेक्ट

सोन नदी सँ जुड़ल डेहरी, अरवल आ दाउदनगर मे एसटीपी आ सीवरेज पाइप लाइन क प्रोजेक्ट बनाओल जायबाक अछि। फिलहाल डीपीआर कए स्वीकृति लेल प्रोजेक्ट एनएमसी मे पठाउल गेल अछि। गंडक नदी सँ जुड़ल गोपालगंज, बगहा शहर के प्रोजेक्ट कए सेहो स्वीकृति क लेल डीपीआर एनएमसीजी कए पठाउल गेल अछि।

किऊल आ बागमती

दोसरसमाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021

किऊल नदी के जुड़ल शहर लखीसराय आ जमुई, बागमती सँ जुड़ल शहर दरभंगा आ महानंदा नदी सँ जुड़ल शहर किशनगंज मे सेहो एसटीपी आ सीवरेज पाइप लाइन कए बिछाओल जयबाक अछि। लखीसराय आ जमुई के डीपीआर एखन तैयार नहि अछि। दरभंगा
क डीपीआर कए रिव्यू कयल जा रहल अछि। किशनगंज नीरी दिस सँ डीपीआर बनेबाक तैयारी चलि रहल अछि।

नब सीवरेज पाइप लाइन ओछाओल जायत

नमामि गंगे प्रोजेक्ट मे राज्य के 23 नगर निकाय सबकए रखल गेल अछि। एहि प्रकार एहि सात नदीक कातमे बसल 15 छोट- पैघ शहर में सीवेज ट्रीटमेंट प्लांट क संग पूरा शहर मे नब सीवरेज पाइप लाइन ओछेबाक काज भेनाई अछि। सीवरेज पाइप लाइन सँ
आगा सब घर मे सेहो कनेक्शन देबाक काजक प्रोजेक्ट मे राखल गेल अछि। एहिमे कतेको प्रोजेक्टक डीपीआर तैयार भय चुकल अछि। एहि प्रोजेक्ट सबपर राष्ट्रीय पर्यावरण अभियंत्रिकी अनुसंधान संस्थान सँ स्वीकृति क लेल सेहो पठाओल गेल अछि। एहिसब शहर मे तैयार होबयवला प्रोजेक्ट सँ कतेको लाख लोक के सुविधा भेटत आ शहर सबमे जलजमावक समस्या सेहो कम होयत।

Tags: Biharsewerage treatment plant
ShareTweetPin

Related Posts

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

January 7, 2021

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

January 5, 2021
Next Post
बिहार मे बनत विश्वक चारिम पावर म्यूजियम, धरोहर देखबाक लेल जुटता दुनिया भरी स लोक

बिहार मे बनत विश्वक चारिम पावर म्यूजियम, धरोहर देखबाक लेल जुटता दुनिया भरी स लोक

अवध आ मिथिला जुड़त सड़क स, हाजीपुर स गुजरत रामजानकी मार्ग, आउ जनैत छि कौन कौन गाम मे होएत जमीनक अधिग्रहण

राजगीर मे भेटत आब स्काईवॉक क मजा, तैयार भेल देशक दोसर गलास ब्रिज

राजगीर मे भेटत आब स्काईवॉक क मजा, तैयार भेल देशक दोसर गलास ब्रिज

टटका समाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

बेसी पढ़ल गेल

इंग्लैंड क टावर ब्रिज सन बीपी मंडल सेतु पर अगस्त सँ दू पहिया वाहनक परिचालन संभव

by संपादक
June 25, 2018
0

Read more

नहि रहलाह रामानंद रेणु : साहित्य गगनक एकटा आर नक्षत्रक अस्त

by संपादक
August 14, 2011
4

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more
Esamaad

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि