• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
in समाचार
A A

ईश्वर नाथ झा
नई दिल्ली/ दरभंगा: आधुनिकता क दौड़ मे मिथिला क पंजी सूत्र क संरक्षण लेल पिछला किछु साल स ब्राह्मण आ कर्ण कायस्थ क विभिन्न समूह समय समय पर मांग उठबैत रहल अछि. कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय क वर्तमान कुलपति‍ एहि दि‍स एकटा निर्णायक डेग उठेबाक काज केलथि अछि. कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय एक बेर फेर स नये सेशन स पंजी व्यवस्था मे डिप्लोमा क कोर्स शुरू करबाक निर्णय लेलक अछि. कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय क एहि‍ र्नि‍णय स मिथिलाक सदियो पुरान एहि सूत्र कए बुझबाक आ जीवित रखबा मे मदद भेटत.

रामशरण शर्मा क समय छल पढाईक व्‍यवस्‍था
पूर्व कुलपति रामशरण शर्मा क समय मे पंजी सूत्रक पढाई एहि‍ संस्‍थान मे होइत छल. मुदा कि‍छु सालक बाद एहि कोर्स कए बंद क देल गेल. वर्तमान कुलपति पंडि‍त शशिनाथ झा आब एक बेर फेर स एहि पंजी सूत्रक पढाई शुरू करबाक र्नि‍णय लेलथि अछि. एहि स मिथिला क पंजी व्‍यवस्‍था कए संरक्षण त भेटबे करत संग संग दुनि‍या क शोधकर्ता लेल सदि‍यो पहि‍ने चंडेश्‍वर क पत्‍नी श्री लखि‍मा ठाकुरक बनाउल सूत्र पर जैनेटि‍क संबंध पर शोध क मार्ग सेहो खुलत. ब्राह्मण आ कर्ण कायस्थ एखन एहि सूत्रक उपयोग करैत छथि‍ मुदा बाकी समाज लग पंजी डाटा अनुपलब्‍ध अछि. एकर पढाई शुरू भेलाक बाद उम्‍मीद कैल जा सकैत अछि‍ जे आन समाज सेहो नव तरह स पंजी डाटा तैयार करबाक काज करत.

12वीं पास क सकैत छथि आवेदन, फरवरी स शुरू होएत कोर्स
एकटा न्यूज़ पोर्टल स गप करैत विश्वविद्यालय क कुलपति डॉ श्री शशिनाथ झा कहलथि‍ जे, “पंजी मे डिप्लोमा क कोर्स शुरू करबा क निर्णय लेल गेल अछि. एकरा लेल आवश्यक व्यवस्था कैल जा रहल अछि. एक साल पहि‍नेइ कोर्स शुरू हेबाक छल, मुदा कोनो कारणवश संभव नहि‍ भ सकल. आब अगि‍ला साल फरवरी स सत्र क शुरुआत होएत, एहन उम्‍मीद करैत छी. पहि‍ल बैच मे क़रीब 30टा विद्यार्थी क नामाकन होएत.ताहि लेल शैक्षणिक योग्यता 12वीं राखल गेल अछि. एहि कोर्स मे नामांकन लेल कोनो भाषा आ कोनो क्षेत्रक लोक आवेदन क सकैत अछि.

हरिसिंह देव बनौने छलाह जैनेटिक डाटा संग्रह कए व्‍यवस्‍था
मिथिला मे राजा हरिसिंह देव जैनेटिक डाटा संग्रह कए व्‍यवस्‍था बनौने छलाह. आधुनि‍क भारत मे जेना आधार नि‍बंधन सब लेल अनि‍वार्य अछि तहि‍ना हरि‍सिंह देव अपन राज्‍य मे सब लेल पंजीयन अनिवार्य क देने छलाह, जेकरा आजुक समय मे मि‍थि‍लाक पंजी व्‍यवस्‍था कहल जाइत छै. समयक संग बहुत रास समाज पंजीयन करेबा स दूर होइत गेल, मुदा ब्राह्मण आ कर्ण कायस्थ मे एखना इ डेटा बहुत हद तक अप टू डेट अछि. आजुक समय मे एकर उपयोग मिथिला क ब्राह्मण आओर कर्ण कायस्थ विवाह स्‍थि‍र करबा लेल करैत छथि.

लखि‍मा ठाकुर क बनाउल अछि‍ पंजी सूत्र
13 वीं शताब्दी मे राजा हरिसिह देवक महामंत्री पंडि‍त चंडेश्‍वर ठाकुरक पत्‍नी लखि‍मा ठाकुरक बनाउल पंजी स मनुष्‍यक जैनेटि‍क संबंधक जांच होइत अछि. संबंधक संबंध खून स नहि‍ होइत अछि‍ एकर पहि‍ल बेर घोषणा मि‍थि‍लाक वि‍दुषी लखि‍मा ठाकुर केने छलीह आ संबंध टूटबाक सूत्र क रूप में पंजी सूत्र प्रस्‍तुत केने छलीह, जेकरा स्‍वीकार करैत राजा हरि‍सि‍हदेव अपना व्‍यवस्‍थाक अंग बनेबाक फैसला केने छलाह. एहि सूत्रक माध्‍यम स एक व्‍यक्‍ति‍क दोसर व्‍यक्‍ति‍क संग जैनेटि‍क संबंध अछि बा नहि‍ तेकर जांच होइत अछि. मेडि‍कल साइंस सेहो मानैत अछि‍ जे मानवक वि‍कास मे जैनेटि‍क संबंध में भेल वि‍वाह बाधक होइत अछि. संगहि‍ कइटा बीमारी क रोकथाम आ पहचान लेल सेहो इ आवश्‍यक मानल गेल अछि. एहि सूत्रक अनुसार कोनो मनुष्‍य अपन गोत्र मे विवाह स परहेज करै कि‍या त गोत्र क डीएनए सबदि‍न बनल रहैत छै. आन गोत्र क संग डीएनए क संबंध पुरूष दि‍स सात आ महि‍ला दि‍स पांच पीढी धरि‍ बनल रहैत छै. एकर अलावा कईटा सूत्र एहि‍ मे बताउल गेल छै जाहि‍ स जैनेटि‍क संबंधक टूटबाक सूत्र भेटैत छै. वि‍वाह स पूर्व वर आ कनि‍या क बीच पंजीकार लखि‍मा ठाकुर क बनाउल एहि‍ सूत्रक माध्‍यम स जांच करैत छथि‍ आ डाटा परछि‍येला पर वि‍वाह क अनुमति‍ दैत छथि. जैनेटि‍क संबंध में आइ दुनिया भरि मे शोध भ रहल अछि, एहन मे दरभंगा में पंजी सूत्रक पढाई शुरू भेला स एकर वैज्ञानि‍क पक्ष पर सेहो चर्चा होएत आ एकर वैज्ञानि‍क शोध क बाट सेहो खुलत.

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पंजीकार शक्तिनंदन झा केलथि‍ स्‍वागत
मिथिला क प्रसिद्ध पंजीकार शक्तिनंदन झा कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय क कुलपति डॉ श्री शशिनाथ झा क एहि‍ फैसलाक सराहना केलथि‍ अछि. ओ कहला अछि‍ जे पंजी सूत्रक महत्व छैक. एहि‍ स कोनो परिवार क सम्पूर्ण परि‍चय कए बुझबा मे मदद भेटैत छै. ओ कहला ले विद्यार्थी कए पंजी सूत्रक समग्र जानकारी क संग व्यवहारिक ज्ञान देबाक सेहो व्यवस्था हेबाक चाही आ नव समाज क डाटा तैयार हेबाक चाही.

Tags: genetic relationsKameshwar Singh Sanskrit Universitymithilamithila ki panji

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

December 18, 2020
Next Post
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि