• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

उगना बनल नीतीश क भगिरथ काज, 62 साल बाद पश्चिमी कोसी नहर होएत पूरा, पुनर्स्थापन कार्यक केलथि शुभारंभ

September 23, 2020
in समाचार
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

मधुबनी. पश्चिमी कोसी नहर परियोजना क अवशेष आ पुनर्स्थापन कार्य क अंतर्गत 696 करोड़ क लागत स एकरा पूरा करबाक  मुख्यमंत्री नीतीश कुमार वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग क माध्यम स कार्यारंभ केलथि. करीब 62 साल पहिने बनल एहि योजना कए पूरा करबा लेल आब विभिन्न लघु नहर, उप नहर, शाखा नहर आ वितरणी क निर्माण होएत.

उल्लेखनीय अछि जे पश्चिमी कोशी मुख्य नहर स निकलै वाला 42.07 किमी लंबा झंझारपुर शाखा नहर क मुख्यमंत्री पिछला 26 अगस्त कए उद्घाटन केने छलाह. 33.9458 करोड़ रुपये क लागत स झंझारपुर शाखा नहर क अवशेष आ पुनर्स्थापन क कार्य दिसंबर 2019 मे प्रारंभ भेल छल. एकरा 2021 क मध्य मे पूरा भ जेबाक छल, मुदा जल संसाधन विभाग एकरा निर्धारित समय स एक वर्ष पहिने रिकार्ड अवधि मे पूरा क लेलक.

एहि झंझारपुर शाखा नहर क द्वारा करीब 33,000 हेक्टेयर मे सिंचाई सुविधा उपलब्ध भ जायत. एहि स मधुबनी जिला क बाबूबरही, अंधराठाढ़ी, झंझारपुर, लखनौर आ मधेपुर प्रखंड क किसान लाभान्वित हेताह.

पश्चिमी कोसी नहर परियोजना कए योजना आयोग 1962 मे मंजूरी देने छल. 1972 मे एहि पर कार्य शुरू भेल छल. परियोजना क तहत जाहि नहर सब क निर्माण भेल, ओहि मे स बेसी सिंचाई क्षमता ह्रासित भ चुकल अछि. जुलाई 2020 मे राज्य सरकार द्वारा पश्चिमी कोशी नहर प्रणाली क अवशेष आ पुनर्स्थापन कार्य कए पूरा करेबा लेल 2372.528 करोड़ क पुनरीक्षित प्रशासनिक स्वीकृति देलक.

एहि पैघ परियोजना क पूर्ण भेला स मधुबनी क लौकही, खुटौना, बाबूबरही, फुलपरास, अधंराठाढी, घोघरडीहा, झंझारपुर, लखनौर, राजनगर, खजौली, पंडौल, बेनीपट्टी, हरलाखी, मधवापुर, कलुआही, रहीका, बासोपट्टी, बिस्फी आ दरभंगा क केवटी, मनीगाछी, दरभंगा सदर, बेनीपुर प्रखंड क किसान लाभान्वित हेताह.

दोसरसमाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
Tags: Koshi KosimithilaNitish Government
ShareTweetPin

Related Posts

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

January 7, 2021

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

January 5, 2021
Next Post
झंझारपुर क अररिया संग्राम मे खुलल ट्रॉमा सेंटर, मुख्यमंत्री केलथि उद्घाटन

झंझारपुर क अररिया संग्राम मे खुलल ट्रॉमा सेंटर, मुख्यमंत्री केलथि उद्घाटन

दिल्ली हाट क तर्ज पर बनत मिथिला हाट, नीतीश केलथि शिलान्यास

दिल्ली हाट क तर्ज पर बनत मिथिला हाट, नीतीश केलथि शिलान्यास

नीरस चुनाव मे किया हेबाक चाही रजनीकांत पाठक सन उम्मीदवार पर चर्चा

नीरस चुनाव मे किया हेबाक चाही रजनीकांत पाठक सन उम्मीदवार पर चर्चा

टटका समाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

बेसी पढ़ल गेल

नहि रहलाह रामानंद रेणु : साहित्य गगनक एकटा आर नक्षत्रक अस्त

by संपादक
August 14, 2011
4

Read more

बिहारी चलल अपन देस, लुधियाना मे मजदूर क टोटा

by संपादक
January 6, 2010
0

Read more

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

by संपादक
December 19, 2020
0
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

ईश्वर नाथ झा नई दिल्ली/ दरभंगा: आधुनिकता क दौड़ मे मिथिला क पंजी सूत्र क संरक्षण लेल पिछला किछु साल...

Read more
Esamaad

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि