• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

अशोक पेपर मिल कए कबाड साबित करबा मे लागल छथि धरमगोधा

April 10, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

हायाघाट। नवक्यू कैपिटल एंड फाइनांस लि. क चेयरमैन आओर अशोक पेपर मिल क मालिक धरमगोधा कहला अछि जे अशोक पेपर मिल कए चलायब मुश्किल अछि। ओ कोलकाता हाईकोर्ट क निर्देश पर अशोक पेपर मिल क निरीक्षण करबा लेल आयल छलाह। हुनकर संग हाईकोर्ट क प्रतिनिधि क रूप मे आयल अमित बंधोपाध्याय आओर मो. शकील सेहो मिल परिसर क गहन निरीक्षण केलथि। मिल क एक एकटा पार्ट पुर्जा कए जांचलाह, परखलाह आ परिसर क स्थिति पर सेहो नजरि देलाह। निरीक्षण क बाद पत्रकार सबहक प्रश्‍नक उत्‍तर दैत धरमगोधा कहला जे हम बहुत दिन स कोर्ट कए इ कहबा क कोशिश कए रहल छी जे इ मिल आब नहि चलि सकैत अछि, मुदा किछु लोक इ मानबा लेल तैयार नहि छथि, हमरा जे मिल भेटल ओ चलबा योग्‍य नहि छल, हम एहि ठाम नव मशीन लगेबा लेल कोर्ट क आदेश मांगी रहल छी। जाहिक लेल कोर्टक प्रतिनिधि क संग एहि ठाम आयल छी।
धरम क गप कए समर्थन दैत हाईकोर्ट क प्रतिनिधि कहला जे मिलक हालत सही मे खराब अछि। छोट आ पैघ दूनू मोटर क्षतिग्रस्त भ गेल अछि। कोनो मिल कए चालू करबा लेल एहि दूनू यंत्र क बहुत अधिक महत्व होइत अछि। एकर अलावा मिल स कईटा पार्ट पुर्जा सेहो गायब भ चुकल अछि। कर्मचारीक क बकाया क बाबत दूनू प्रतिनिधि कहला जे भुगतान क अपन अलग प्रक्रिया होइत अछि। एहि यात्राक रिपोर्टक बाद ओहि दिशा मे काज शुरू होएत।
दोसर दिन मिल स जुडल एकटा पूर्व सदस्‍य कहला जे इ मिथिलाक संपत्तिक लूट भ रहल अछि। अशोक पेपर मिल बिहारक आन मिल कए जेकां जहिया अध्रिहण भेल ठीक ठाक चलि रहल छल। सरकार पहिने एकरा अधिग्रहण केलक आ बाद मे घाटा देखा बंद कए देलक। हजार स बेसी परिवार सडक पर आबि गेल। मामला कोर्ट मे गेल त उम्‍मीद बनल। कोर्ट मिल कए निलाम केलक आ औने पौने दाम मे धरमगोधा एकरा कीन लेलक। जोरशोर स एकरा चालू करबाक नौटंकी भेल आ मिलक नाम पर धरमगोधा बैंक स कर्ज सेहो ल लेलक, मुदा मिल एक दू दिन चलि कए बंद भ गेल। इ गप 1997 ’98 क छी। एकर बाद धरमगोधाक नजरि मिलक मशीन पर अछि। ओ एकरा कबाडा साबित करबा मे लागल अछि। अगर कोर्ट मे इ साबित भ गेल जे मशीन कबाडा अछि त कई करोडक कबाडा बेच ओ एहि ठाम स भागि जाएत। एकटा अन्‍य पूर्व कर्मचारीक कहब छल जे स्‍थानीय नेता एहि मिल कए ल कए एतबा उदासीन छथि जे मिल कए सामान बेचबाक प्रयास भ रहल अछि आ ओ सुतल छथि। मिथिलाक इ दुर्भाग्‍य अछि जे पहिने मिल बिकायल आ आब ओकर सामान बेचबाक गप भ रहल अछि। जखन कि मिल खुलबाक कोनो उम्‍मीद करब बेवकूफी बुझबा मे अबैत अछि।

Tags: ashok paper milBihardarbhanga

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

पताही हवाई अड्डा सेहो बनत एयर बेस स्टेशन

मिथिलाक विकिलीक्स क खुलासा : साहित्यिक वर्ण-संकरता

Esamaad Epaper Website

15 अगस्‍त स लागू भ जाएत सेवा कानून

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि