पटना। आब साफ्टवेयर साल्यूशन इ सेहो बताउत जे कोन इलाका मे सड़क क निर्माण क लेल कोन तरह क जमीन कए अधिग्रहण कइल जाइत। निजी जमीन क खाता-खेसरा स गैर मजरुआ जमीन क सब ब्योरा माउस क्लिक करइत भेट जाइत। भारतीय रोड कांग्रेस क दोसर दिन सड़क क निर्माण स जुड़ल एहि तरह क व्यावहारिक पहलु पर कई तरह क प्रेजेंटेशन भेल आ तकनीकी शोध पत्र पढ़ल गेल। देश भरि क राज्य क पथ निर्माण विभाग क सचिव आ अभियंता प्रमुख क बैठक एमओआरटीएच क महानिदेशक निर्मलजीत सिंह क मौजूदगी मे भेल।
तकनीकी प्रेजेंटेशन मे बेंटले सिस्टम इंडिया क जुगल मकवाना एमएक्सरोड साफ्टवेयर पर अपन बात रखलथि। सड़क निर्माण मे कम समय लागे एकरा ध्यान मे राखि बेंटले एहि साफ्टवेयर कए तैयार केलत अछि आ आब एकरा स्थानीय स्तर पर कस्टमाइज्ड कएल जा रहल अछि। एकर माध्यम स इ जानकारी भेट सकत जे फलां इलाका माटी केहन अछि, ओहि ठाम जमीन कतए भेटत या फेर नालीक केहन समस्या अछि। एक_े एतबा जानकारी भेटला स निर्माण कार्य मे कम समय लागत।
आईआईटी, चेन्नई क प्रो. वी राघवन पालिमर मोडिफाइड बिटुमिनस कंक्रीट मिक्सचर पर अपन व्याख्यान देलथि। प्रो. राघवन कहला जे रोड बनबएत काल ओकर लचीलापन पर विशेष रूप स ध्यान देबाक आवश्यकता अछि। एहि स रोड क टूटए क प्रतिशत कम होएत। एकरा लेल इ जरूरी अछि जे पॉलीमर बिटुमिनस कए उपयोग कएल जाए। रमेश मिधनथाया बायो एंजाइन स्टेबलाइज लेटरिक स्वायल एज ए हाइवे मेटेरियल विषय पर अपन शोध पत्र पढ़ला। श्री रमेश कहला जे रोड बनाब स पहिने माटी मे टेराजाइम मिला देब स रोड मजबूत बनत आ पत्थर सेहो कम लागत। एहि स रोड क लागत कम भ जाएत। सी नागेश्वर राव, वर्गीज जार्ज आ आर रविशंकर सड़क निर्माण क लेल माटी जांच क नव तकनीक पर अपन बात कहलथि।
एलआर कडियाली आ टीवी शशिकला अपन प्रजेंटेशन क माध्यम स इ बात रखला जे पथ निर्माण मे ठीक कंक्रीट क उपयोग कएल जाए त पंद्रह प्रतिशत डीजल बचाउल जा सकत अछि। पुल क नव तकनीक पर सेहो तकनीक सत्र क दौरान चर्चा भेल। डा. वीसी राय सेकेंड विवेकानंद ब्रिज प्रोजेक्ट आन एनएच-2 नियर कोलकाता शीर्षक स अपन बात रखला।