पटना। कास्ट शेयरिंग आधार पर प्रदेश मे एक दर्जन जगह पर नव रेल ओवर ब्रिज (आरओबी) बनाउल जेबाक कैबिनेट मंजूरी क बाद आब एकरा लेल त्रिपक्षीय सहमति पत्र तैयार कैल जा रहल अछि। 540 करोड़ टका क एहि बारहटा रेल ओवर ब्रिज क परियोजना पर पचास फीसदी खर्च राज्य सरकार आ पचास फीसदी केंद्र सरकार कए करबाक अछि। आरओबी क पहुंच पथ क निर्माण कार्य इरकान द्वारा कराउल जेबाक अछि। एहि आरओबी क निर्माण क लेल इरकान, रेलवे आ राज्य सरकार क बीच एकटा सहमति पत्र पर हस्ताक्षर जल्द होएत। जाहि आरओबी कए कैबिनेट स मंजूरी भेटल अछि ओहि मे पटना क फुलवारीशरीफ-दानापुर, जीरादेई-मैरवा स्टेशन, खगड़िया, कुल्हड़िया हाल्ट-बिहटा, नरकटियागंज, बगहा यार्ड, जीवधारा-मोतिहारी, नरकटियागंज-हरिनगर, हाजीपुर-मुजफ्फरपुर, बेगूसराय-तिलहारा, छपरा कचहरी-गोल्डेनगंज आ हथुआ थावे शामिल अछि।