डेनमार्क क राजधानी कोपेनहेगन मे जलवायु परिवर्तन पर होइवाला अंतरराष्ट्रीय सम्मलेन स पहिने ग्लोबल वार्मिंग स हिमालय पर पडि़ रहल दुष्प्रभाव क बारे मे जागरुकता अनबा लेल नेपाल मंत्रिमंडल क सदस्य ऑक्सीजन मास्क पहिनकए आइ एवरेस्ट क आधार शिविर मे बैठक केलथि। प्रधानमंत्री माधव कुमार नेपाल समेत 24टा मंत्री हेलीकाप्टर स समुद्र तल स पांच हजार 242 मीटर क ऊंचाई पर स्थित काला पत्थर नामक स्थान पर पहुंचलथि। विश्व क सबस ऊंच पर्वतमाला पर भेल इ बैठक 30 मिनट तक चलल। बैठक मे मंत्रिमंडल ‘एवरेस्ट घोषणा पत्र’ पारित केलक। जेकरा कोपेनहेगन सम्मेलन मे रखल जाइत।