पटना। भवन निर्माण मंत्री छेदी पासवान कहला अछि जे पटना क कंकड़बाग मे बनि रहल बिहारकपहिल स्टेडियम काम्पलेक्स क निमार्ण अंतिम चरण मे अछि आ इ शीघ्र बनि कए तैयार भ जाइत। एकरा लेल पुनरीक्षित प्राक्कलन क स्वीकृति भेट गेल अछि। ओ कहला जे एहि स्टेडियम मे पैवेलियन स्टैण्ड, इनडोर स्टेडियम, हास्टल आ कोच क आवास क अतिरिक्त जिम्नाजियम, स्वीमिंग पुल, चहारदीवारी, स्थल विकास, लैंडस्केप क काज करेबाक अछि। प्रथम चरण मे पैवेलियन-स्टैण्ड, इनडोर स्टेडियम, हास्टल ब्लाक आ कोच आवास क लेल निविदा क काम प्रारंभ कराउल गेल अछि। जमीन उपलब्ध नहि हेबाक कारण स शेष काज नहि कराउल जा सकल अछि। उक्त निर्माणाधीन योजना मे औसतन 70 फीसदी स बेसी काज भ चुकल अछि। ओ कहला परियोजना क प्राक्कलन 2006 मे 32.55 करोड़ क लागत पर तैयार भेल छल। एहिबीच निर्माण सामग्री क लागत मे वृद्धि क कारण धन क कमी भ गेल छल। एकरा लेल करीब 39 करोड़ क पुनरीक्षित प्राक्कलन पठाउल गेल छल, जेकरा स्वीकृति प्रदान करि देल गेल अछि। चालू वर्ष मे 292.22 लाख आ अगिला वर्ष शेष राशि व्यय करबाक स्वीकृति देल गेल अछि। एहि टका स पैवेलियन स्टैण्ड, इनडोर स्टेडियम, हास्टल आ कोच आवास क अतिरिक्त जिम्नाजियम, स्वीमिंग पुल, चहारदीवारी,स्थल विकास आ लैंडस्केप क सबटा काज छह माह मे पूरा करैत कला आ संस्कृति विभाग कए पूरा परिसर हस्तांतरित करबाक कार्यक्रम भवन निर्माण बनेने अछि।