पांचटा नव शहर मे होएत शुरुआत
पटना । स्लम बस्ती मे रहनिहार गरीब क अपन घर क सपना जल्द साकार होएत। केंद्र क समेकित आवास आ मलिन बस्ती विकास कार्यक्रम क तहत हुनका घर देल जाएत। इ योजना राज्यक छहटा शहर मे चलि रहल अछि। 5,347 आवासीय यूनिट क निर्माण कराउल जा रहल अछि। जाहि मे स 2,087 क निर्माण भ चुकल अछि। शेष कए 2012 तक पूरा करबाक लक्ष्य अछि। केंद्र पांचटा नव शहर मे सेहो आवासीय इकाइ क निर्माण क स्वीकृति भेटल अछि। जाहि मे बाढ़, गया, फारबिसगंज, किशनगंज आ जमुई शामिल अछि। ओहि ठाम 5,722 आवासीय इकाइ क निर्माण होएत।, जाहि पर करीब 157 करोड़ खर्च होएत। एकरा लेल केंद्र स जल्द राशि भेटबाक उम्मीद अछि। जाहि ठाम मकान बनि रहल अछि ओहि मे कांटी, औरंगाबाद, नरकटियागंज, मोतीपुर, रोसड़ा, शेखपुरा, भागलपुर, किशनगंज, बहादुरगंज, पूर्णिया, बेगूसराय, बिहारशरीफ, आरा, जोगबनी, मधेपुरा आ सुपौल शामिल अछि। जमीन क अनुपलब्धता क कारण रोसड़ा आ नरकटियागंज मे काज प्रारंभ नहि भ सकल अछि। शेष शहर मे निर्माण तेजी स भ रहल अछि। बनि रहल मकान क संग रोड, ड्रेनेज, सामुदायिक भवन, सामुदायिक शौचालय, स्नानघर आदि क निर्माण सेहो भ रहल अछि। आसपास स्कूल क व्यवस्था सेहो होएत। इ सबटा ओहन शहर अछि जाहि ठाम जवाहरलाल नेहरू राष्ट्रीय शहरी नवीकरण मिशन योजना क तहत आवास क निर्माण नहि भ रहल अछि।