दरभंगा। बिहार बाल अधिकार संरक्षण आयोगक अध्यक्ष निशा झा कहलथि अछि गरीब बच्चा कए हर हाल मे निजी स्कूल मे दाखिला दियउल जाएत। ओ कहलथि जे मिसिनरी स्कूल एखन एकर विरोध कए रहल अछि आ कोर्ट चल गेल अछि, मुदा आइ नहि काल्हि ओकरो गरीब बच्चा लेल स्कूलक केबार खोलबा लेल तैयार हुए पडत। श्रीमति झा अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद क समर कैंप क उदघाटनक बाद छात्रा कए संबोधित करि रहल छलीह। दरभंगाक एमआरएम कॉलेज मे आयोजित एहि कैंप में करीब दू सौ छात्रा भाग ल रहल छथि। एहि अवसर पर श्रीमति निशा झा विशेष रूप स शिक्षाक अधिकार स संबंधित योजना पर विस्तार स चर्चा केलथि।
मानव संसाधन विकास विभागक पूर्व प्रधान सचिव मदनमोहन झाक कनिया श्रीमति झा कहलथि जे राज्य मे बच्चाक सर्वांगिन विकास लेल तैयार योजना पर काज भ रहल अछि। ओ कहलथि जे गरीब बच्चा लेल निजी स्कूलक केबार खोलबा मे हम सब काफी सफल रहलहुं अछि। एखन धरि करीब दू हजार गरीब बच्चा कए निजी सकूल मे दाखिला दिया चुकलहुं अछि। मदनजीक सपना छल जे राज्यक सब बच्चा साक्षर हुए। ओ एहि लेल राज्य मे शिक्षक क नियुक्ति क प्रक्रिया शुरू केलथि। आइ शिक्षकक गुणवक्ता कए ल कए बहुत लोक सवाल ढार करैत अछि, मुदा इ बुझबाक कोशिश करबाक चाही जे 15 साल जे किछु राज्य मे भेल तेकर प्रभाव स अहां नहि बचि सकैत छी। रोपब बबुल त आमक गाछ कोना गाछी मे देखबा लेल भेटत। श्रीमति झा कहलथि जे शिक्षाक अधिकार क तहत केवल स्कूल मे दाखिला स काज नहि चलत, बच्चाक लेल कोचिंग क सेहो व्यवस्था करबाक जरूरी अछि। सरकार एहि लेल प्रयास कए रहल अछि। श्रीमति झा कहलथि जे बाल अधिकार लेल एखन बहुत काज करबाक अछि आ एहि लेल हम अहां सब स मदद क अपेक्षा करैत दी। एहि अवसर पर कॉलेजक प्राचार्य कामेश्वर झा आ रजिस्टार विमल कुमार उपस्थित छलाह। सभाक संचालन समाजशास्त्र विभागक व्याख्याता पुतुल सिंह केलथि।