नई दिल्ली। चिंतक गोविंदाचार्य कहला अछि जे छोट-छोट राज्य क निर्माण स देश क सर्वांगीण विकास संभव अछि। गोविंदाचार्य अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद क तत्वावधान मे पृथक मिथिला राज्य क मांग कए ल कए मंगलदिन दिल्लीक जंतर-मंतर पर आयोजित धरना-प्रदर्शन कए संबोधित करैत इ गप कहलाह। गोविन्दाचार्य कहला जे पृथक राज्य क गठन सत्ता क विकेन्द्रीकरण क लेल सेहो जरूरी अछि आओर विकेन्द्रीकरण क पक्षधर महात्मा गांधी, दीनदयाल उपाध्याय आ जयप्रकाश नारायण सन महान नेता सेहो छलथि। ओ पृथक मिथिला राज्य क गठन क मांग क समर्थन करैत पृथक अवध प्रदेश बनेबाक सेहो वकालत केलथि।
फिल्म निर्देशक आ कार्यक्रमक संयोजक भवेश नंदन, परिषद क अध्यक्ष प्रो कमल कांत झा क अगुवाई मे आयोजित एहि धरना-प्रदर्शन मे देश मे मिथिला सहित पांचटा नव राज्य क मांग कए लकए संघर्षरत अखिल भारतीय क्षेत्रीय विकास आ भाषा आंदोलन क अध्यक्ष अरविन्द पाठक बिहार जनता दल यूनाइटेड क वरिष्ठ नेता जगदीश कामत आ डॉ राममोहन झा क अलावा अनेक बुद्धिजीवी, रंगकर्मी आ सामाजिक कार्यकर्ता हिस्सा लेलथि। बाद मे प्रदर्शनकारी अपन मांग स संबंधित राष्ट्रपति प्रतिभा पाटिल कए एकटा ज्ञापन देलथि।