पटना। देश क अलग-अलग हिस्सा मे ठेका पर भ रहल खेती क फायदा एक देखैत बिहार सरकार सेहो आब एहि मे मुनाफा क फसल काटब चाहैत अछि। एकरा लेल राज्य सरकार आब ठेका पर खेती कए बढ़ावा देबाक रणनीति बनेबा मे जुटल अछि। सरकार आब एकरा लेल निवेशक ताकि रहल अछि।
राज्य क कृषि उत्पादन आयुक्त आ कृषि विभाग क प्रधान सचिव अशोक कुमार सिन्हा कहला- हमर योजना एहि तरीका कए राज्य मे बढ़ावा देबाक अछि। हम एहि मे कोनो तरह क भागीदार नहि बनब मुदा हम किसान क उत्पाद क लेल एकटा सुनिश्चित बाजार मुहैया करेबा लेल प्रयासरत छी। हम हर जिला कए एकटा खास कृषि उत्पाद क क्लस्टर क रूप मे विकसित करै चाहैत छी। मिसाल क तौर पर हम पटना मे पपीता आ फूलों, अरवल मे परवल, वैशाली मे केरा, मुजफ्फरपुर मे लीची, दरभंगा मे आम, मधुबनी मे पान, सीतामढ़ी मे हल्दी, नालंदा मे मशरूम आ पूर्वी चंपारण मे लहसुन क खेती कए बढ़ावा द रहल छी। अगर इ योजना सफल रहल त दो-तीन साल मे किसान एहि फसल क खेती मे विशेषज्ञता हासिल करि लेताह।
राज्य सरकार एहि योजना कए सफल बनेबा लेल आईएल ऐंड एफएस से मदद मंगलक अछि। इ कंपनी पहिने स बिहार सरकार कए खाद्य प्रसंस्करण क्षेत्र क विकास मे मदद करि रहल अछि। कृषि विभाग क अधिकारी क कहब अछि जे राज्य सरकार 21 अगस्त कए पटना मे निवेशक क एकटा सम्मेलन आयोजित करवा रहल अछि। एहि सम्मेलन मे देश भरि स 200 निवेशक हिस्सा लेताह। संगहि राज्य सरकार आब गोदाम आओर प्रोसेसिंग यूनिट क निर्माण पर सेहो जोर द रहल अछि। सरकार भंग भ चुकल बिहार राज्य कृषि उत्पाद विपणन परिषद क जमीन कए सेहो एहि काज लेल देबाक फैसला केलक अछि।