• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

ताजपुर स दरभंगा तक बनत फोर लेन सड़क

June 8, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

1600 करोड़ क लागत क बख्तियारपुर-ताजपुर सेतु क शिलान्यास
ताजपुर (समस्तीपुर)।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे गंगा नदी पर प्रस्‍तावित बख्तियारपुर-ताजपुर महासेतु कए दरभंगा तक फोर लेन सड़क स जोडल जाएत। एहि पुल क नामकरण जननायक कर्पूरी ठाकुर क नाम पर कैल जाएत। मुख्यमंत्री ताजपुर क एलकेबीडी कालेज प्रांगण मे आयोजित शिलान्यास समारोह मे बाजि रहल छलाह। ओ कहला जे बिहार मे पहिल बेर 9 सौ करोड़ क निजी भागीदारी स महासेतु क निर्माण कैल जा रहल अछि। उपस्थित जन कए इ विश्वास दैत कहला जे महासेतु क निर्माण मार्च 2015 तक निश्चित पूरा करि लैल जाएत। मुख्यमंत्री इ सेहो कहला जे अन्य राज्‍यक तुलना मे बिहार मे पुल क संख्या काफी कम अछि। एहि लेल आम लोक क सुविधा क लेल पुल क निर्माण कैल जा रहल अछि। ओ कहला जे दीघा आ सोनपुर क बीच सेहो सड़क पुल क निर्माण शुरू भ गेल अछि, संगहि आरा आ छपरा क बीच सेहो गंगा नदी पर पुल बनि रहल अछि। एहि संग ओ मोकामा स्थित राजेन्द्र पुल क चर्चा करैत कहला जे एकर रखरखाव रेल विभाग क जिम्‍मा मे अछि। इ काफी कमजोर भ चुकल अछि, जाहि स हाजीपुर क महात्मा गांधी सेतु पर काफी दबाव बढि गेल अछि। राज्य सरकार फैसला केलक अछि जे मोकामा मे गंगा नदी पर सेहो एकटा अलग स सड़क पुल क निर्माण कैल जाएत। एकरा लेल सबटा आवश्यक तैयारी पूरा कैल जा रहल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे 1602.74 करोड़ क लागत स निर्मित होइवाला एहि पुल क लंबाई 5. 575 किलोमीटर होएत। एकर निर्माण कार्य हैदराबाद क कंपनी नवयुगा जाह्नवी टाल ब्रिज करत। एहि मे राज्य सरकार क हिस्सेदारी 307.50 करोड़ क अछि, जखनकि केन्द्र सरकार 277.50 करोड़ टका अंशदान द रहल अछि। ओतहि बाकी टका निजी निवेश क रूप मे 917.74 करोड़ क हिस्सेदारी होएत। एकर अलावा ओ कहला जे 2015 तक पूरा देश मे सड़क क मामला मे बिहार अव्वल स्थान बना लेत। बिहार मे विकास क क्षमता कए देखैत आब निजी क्षेत्र क लोग सेहो पूंजी निवेश करब शुरू करि चुकल छथि। शिक्षा पर चर्चा करैत मुख्यमंत्री कहला जे आब पहिल स लकए आठवीं तक क सबटा बच्‍चा कए मुफ्त मे पोशाक राशि क वितरण कैल जाएत।
रामदेव मसला पर ओ कहलथि जे जनता भ्रष्टाचार क खिलाफ आब एकजुट भ लड़ाई लड़बा लेल तैयार अछि। बिहार मे एकर शंखनाद भ चुकल अछि। सभा क अंत मे ओ कहला जे बिहार क जनता कए इ विश्वास दियबैत छी जे जाहि विश्‍वास स अहां सब हमरा दोबारा मुख्यमंत्री बनलहुं अछि , ओहि विश्वास कए हम हर किमत पर कायम राखब। समारोह मे बिहार राज्य रोड डेवलपमेंट क प्रबंध निदेशक प्रत्यय अमृत लोकक नजरि मे बनल रहलाह।

Tags: Bihardarbhangaताजपुरदरभंगा

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

मोतीझील ओवरब्रिज क लोकार्पण 10 जून कए

विपक्ष पहुंचल राजभवन

Esamaad Epaper Website

फ्यूचर वेंचर्स कीनलक भागलपुर फूड पार्क मे हिस्सेदारी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि