पटना। बिहार दुग्ध उत्पादन क क्षेत्र मे नव अध्याय लिखबा लेल डेग बढा देलक अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार वैशाली जिलाक हाजीपुर मे बिहार स्टेट मिल्क कोऑपरेटिव फेडरेशन लिमिटेड द्वारा बनाउल गेल एक लाख लीटर क क्षमता क डेयरी प्लांट क उदघाटन केलथि। एहि अवसर पर ओ करीब चारि लाख लीटर क्षमता वाला डेयरी प्लांट क स्थापना क घोषणा सेहो केलथि जाहि पर 100 करोड टका खर्च कैल जाएत। ओ कहला जे प्रस्तावित प्लांट मे 30 मीट्रिक टन क्षमता वाला एकटा दुग्ध चूर्ण उत्पादन प्लांट सेहो लगाउल जाएत। ओ कहला जे विभिन्न उत्पादक क बेहतर पैकेजिंग लेल एकटा टेट्रा पैक प्लांट सेहो लगाउल जाएत। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री कहला जे कृषि रोड मैप मे कृषि क संग-संग कृषि क विभिन्न अपव्यय पर विशेष ध्यान देल गेल अछि ताकि किसान क आमदनी अधिकाधिक बढ़ाउल जा सकए। एहि रोड मैप में मुर्गी पालन, मत्स्य पालन, बागवानी, डेयरी आदि कए सेहो शामिल कैल गेल अछि आ एकर लक्ष्य हरितक्रांति नहि बल्कि इन्द्रधनुषी क्रांति अछि। ओ किसान क आह्वान करैत कहला जे हुनका अपन परिश्रम आ आपसी सहयोग स दुग्ध उत्पादन क क्षेत्र मे आत्मनिर्भर हेबाक अछि। सरकार एकरा लेल किसान कए उत्प्रेरित आ प्रोत्साहित करि रहल अछि आ एहि लेल जेतबा धन क आवश्यकता होएत सरकार धन लगाउत।