नालंदा। राजगीर प्रवास क दौरान मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन अधिकारी कए आवश्यक निर्देश देलथि। ओ घोड़ाकटोरा कए ईको टूरिज्म क रूप मे विकसित करबाक निर्देश देलथि। विश्व शांति स्तूप स घोड़ाकटोरा तक कोनो पक्का निर्माण नहि होएत। सबटा सरकारी विभाग स्वीस कॉटेज मे संचालित हाएत। एकर अतिरिक्त पारा-सेलिंग, पारा ग्लाइडिंग आ स्पोर्टस एडवेंचर कए सेहो विकसित कैल जाएत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आगू निर्देश देलथि जे एहि स्थल पर रात्रि विश्राम क कोनो प्रावधान नहि हेबाक चाही। एकर अलावा राजगीर-जेठीयन मार्ग पर नालंदा जिला क विपुल गिरि आ व्यवहार गिरि मे सेहो ईको टूरिज्म विकसित करबाक निर्देश देलथि। बाद मे ओ इंटरनेशनल कन्वेंशन सेंटर क सेहो मुआयना केलथि।