• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

पडल अछि राशि, सुतल अछि विभाग

March 4, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। राज्य सरकार योजना व्यय क संकट स जूझि रहल अछि। जनवरी मास तक 24000 करोड़ क योजना आकार क विरुद्ध सिर्फ 60 फीसदी खर्च क उपलब्धि छल। मुदा 40 फीसदी क लक्ष्य दू मास मे प्राप्‍त करब एकटा चुनौति छल। फरवरी बीत गेल आ मार्च क पहिल सप्‍ताह सेहो गुजरि गेल।
जनवरी तक क आंकडा क अनुसार वाणिज्य-कर आओर निबंधन विभाग क खर्च क आंकड़ा शून्य पर अटकल अछि। जखनकि गन्ना विकास 4.82 आ मंत्रिमंडल समन्वय विभाग 8.89 पर सिमटल अछि। एहि विभाग सबहक बहाना सेहो खूब अछि। मंत्री स पदाधिकारी तक कहैत छथि जे योजना राशि खर्च नहि हेबाक पाछु पैघ मजबूरी इ अछि जे करीब 75 फीसदी सेंट्रली टायड फंड अछि। समय पर राशि रिलीज नहि भ सकल। कारण किछु तकनीकी सेहो कहल जा रहल अछि। दोसर दिस डा. भीम सिंह पंचायती राज आ ग्रामीण कार्य दूटा विभाग देख रहल छथि। जनवरी तक ग्रामीण कार्य विभाग 63.71 फीसदी राशि खर्च क लेने छल मुदा पंचायती राज विभाग मे केवल 32 फीसदी राशि खर्च भेल छल। एहि ठाम सेहो मंत्री जी एकरा लेल केन्द्र स राशि एबा मे विलंब कारण बता रहल छथि। हुनकर कहब उचित अछि, दूनू विभाग मे खर्चक अंतर केंद्रांश क कारण देखा रहल अछि। योजना राशि केंद्र स एलाक बाद विभाग स राशि जिला कए आवंटित होइत अछि। पिछला साल बजट उपबंध नहि भेला स पंचायत प्रतिनिधि क मानदेय मे परेशानी रहल। हालांकि भरोस अछि जे लक्ष्य निश्चित हासिल करि लेल जाएत।
संतोष क गप एकटा आओर अछि जे खर्च क आंकडा मे पथ निर्माण, ग्रामीण विकास आ ग्रामीण कार्य सन विभाग 80, 72.08 आओर 63.71 फीसदी खर्च क संग सबस आगू अछि। ओना शहरी विकास क काज देखिनिहार नगर विकास विभाग निराश क देलक अछि। एक मास मे औसत योजना व्यय जेतबा पैघ छलांग लगेलक अछि नगर विकास 11 माह मे नहि लगा सकल अछि। जखन कि शहरी विकास सरकार क एजेंडा मे अछि। मुदा योजना व्यय क नाम पर उपलब्धि ररहल जनवरी तक केवल 16.22 फीसदी। ओना 40 मे 25टा एहन विभाग अछि जे 60 फीसदी क औसत स पाछु चलि रहल अछि।
उप मुख्यमंत्री सह वित्त मंत्री सुशील कुमार मोदी एहि पूरा मसला कए सुलझेबाक प्रयास करैत कहला अछि जे इ अगर देशक राशि विमुक्ति प्रणाली पर गौर कैल जाए त इ कोनो चिंता क स्थिति नहि अछि। मोदी कहैत छथि जे कहबा लेल त अपन सबहक वित्‍त वर्ष अप्रैल स मार्च होइत अछि, मुदा कोनो प्रदेश मे वित्तीय वर्ष क अंतिम मास मे सबस बेसी खर्च होइत अछि। बिहार मे बाढ़ आओर पाबनि क कारण बीच क अवधि मे कई मास काज बाधित रहैत अछि। दिसम्बर क बाद काज क गति अचानक बढैत अछि। जे मार्च तक लक्ष्‍य क करीब पहुंच जाइत अछि। एकर संगहि केन्द्रीय राशि विलंब स रिलीज भेलाक कारण सेहो राज्यांश विलंब स विमुक्त होइत अछि। प्रारंभिक मास क कमजोर गति क कारण इ सेहो अछि। ओ कहला जे 24 हजार करोड़ क योजना आकार क लक्ष्य कए हासिल करबा मे बिहार सरकार कामयाब होएत।
पडल अछि राशि, सुतल अछि विभाग
वाणिज्य-कर 00 फीसदी
निबंधन एवं उत्पाद 00 फीसदी
गन्ना उद्योग 4.82 फीसदी
मंत्रिमंडल सचिवालय 8.89 फीसदी
नगर विकास 16.22 फीसदी
लघु सिंचाई 20.32 फीसदी
वित्त 21.26 फीसदी
सूचना तकनीक 24.38 फीसदी
आपदा प्रबंधन 26.14 फीसदी
ऊर्जा 31.67 फीसदी
गृह विभाग 32.15 फीसदी
पंचायती राज 32.93 फीसदी
भवन निर्माण-40.25 फीसदी
विज्ञान एवं प्रावैधिकी 42.52 फीसदी
श्रम 40.55 फीसदी
पर्यावरण एवं वन 43.72 फीसदी
सूचना एवं जनसम्पर्क 44.64 फीसदी
जल संसाधन 46.19 फीसदी
लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण 46.50 फीसदी
विधि विभाग 49.18 फीसदी

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

वैशाली मे बनत अंकोरवाट मंदिर क प्रतिरूप

Esamaad Epaper Website

ग्रंथ चोरी मामला पर सरकार स सवाल

Esamaad Epaper Website

अप्रैल स देत कांटी बिजली

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि