नालंदा। केंद्र सरकार जल्द पर्यटक लेल एकटा हेल्पलाइन शुरू करत। एकर जरिए पर्यटक कए विभिन्न स्थल क बारे मे जानकारी देल जाएत आ संकट क समय अन्य तरह क जरूरी मदद मुहैया कराउल जाएत। केंद्रीय पर्यटन राज्य मंत्री कुमारी शैलजा नालंदा मे एकर घोषणा केेलथि। शैलजा कहली जे कोनो देशी या विदेशी पर्यटक कोनो पर्यटक स्थल क बारे मे जानकारी क लेल हेल्पलाइन पर फोन करि सकैत अछि। शैलजा कहली, ‘पर्यटक संकट क स्थिति मे या कोनो आपात स्थिति मे सेहो हेल्पलाइन पर फोन करि सकैत छथि।Ó शैलजा कहली, ‘दिसंबर 2009 मे दिसंबर 2008 क तुलना मे विदेशी पर्यटक क संख्या मे 21 प्रतिशत क वृद्धि भेल अछि, जाहि मे बिहारक भूमिका महत्वपूर्ण अछि। बिहार मे अगर कानून व्यवस्था आ आधारभूत सुविधा कए ठीक कैल जाए त एहिन् क्षेत्र मे जल्द उछाल एबाकउम्मीद अछि।Ó शैलजा कहली जे केंद्र एकरा लेल हरसंभव मदद लेल तैयार अछि। बिहार मे पर्यटन क विकास लेल 19 करोड़क योजना कए केंद्र मंजूरी द देलक अछि। आशा अछि एहि राशि क बिहार सदुपयोग करत। एहि अवसर पर बिहार क पर्यटन मंत्री राम प्रवेश राय कहला जे बिहार मे विदेशी पर्यटक क संख्या मे तेजी स वृद्धि भ रहल अछि। एहि वित्तीय वर्ष मे एखन धरि 4.12 लाख विदेशी पर्यटक बिहार आबि चुकलथि अछि, जखन कि पिछला साल हिनकर कुल संख्या 3.45 लाख छल। ओ संभावना व्यक्त केेलथि जे एहि वित्तीय वर्ष क समाप्ति क बाद इ संभव अछि जे बिहार विदेशी पर्यटक क आगमन क मामला मे गोवा कए पाछु करि दिए। सम्मेलन स्थल पर सांझखन विभिन्न राज्य स आएल कलाकार सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत केलथि।
एहि स पूर्व सम्मेलन क विधिवत उद्घाटन करैत उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे बिहार मे पहिल बेर आयोजित एहि सम्मेलन स बिहार मे पर्यटक क संख्या मे आओर वृद्घि होएत। ओ कहला जे इ सम्मेलन बिहार मे पर्यटन उद्योग कए नव आयाम देत। ओ कहला जे
पर्यटन कए बढ़ावा देबा लेल राज्य सरकार कृतसंकल्प अछि आ हाल मे एहि उद्देश्य क लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार नालंदा, गया आ वैशाली मे प्रवास केलथि अछि।
उल्लेखनीय अछि जे पटना स 110 किलोमीटर दूर नालंदा स्थित ह्वेनसांग मेमोरियल हॉल मे आयोजित एहि सम्मेलन मे भगवान बुद्ध स संबंधित एकटा प्रदर्शनी सेहो लगाउल गेल अछि।