• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बच्चाक मधुर स्वप्न क चरित्र चित्रण अछि “डाकघर”

March 25, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

सुनील कुमार झा
नई दिल्‍ली।
टैगोर इन मैथिली थियेटर शुरू भ गेल। एकर पहिल दिन छल, मुक्तधारा ऑडिटोरियम मे शुरू भेल एहि कर्यक्रमक शुरुआत मैलोरंग क संस्थापक आ चर्चित निर्देशक प्रकाश झाक वक्तव्य स भेल जाहि मे ओ मैथिली नाटक आ मैथिली रंगकर्मक भविष्य पर अपन व्यक्तव देलैथि। आ फेर शुरू भेल कर्यक्रम; एहि महोत्सवक शुरुआत दीप प्रज्वलित केलैथि देवशंकर नवीन आ मैथिली क ढेर रास वरिष्ट लोकेन। दीप प्रज्वलन क बाद शुरू भेल रविन्द्र नाथ ठाकुर द्वारा लिखित, सुरेन्द्र झा सुमन द्वारा अनुवादित आ मिथिलंगनक क अध्यक्ष आ निर्देशक संजय चौधरी द्वारा निर्देशित नाटक ” डाकघर”
मंच पर सों जखन पर्दा उठल त “कखन हरब दुःख मोर हे भोलानाथ” क गीत पूरा ऑडिटोरियम मे एकटा मधुर आ दारुण स्वर लहरी घोलि देलक। सुन्दरम क संगीत आ श्रधा साहा क स्वर वातावरण मे एहन मधुर रस घोलि देलक समस्त दर्शक श्रोता बनि बैसल आ ओ मधुर रसलहरी मे डूबी गेल। रोग-ग्रस्त बच्चाक मधुर स्वप्न क चरित्र चित्रण अछि ई नाटक, टैगोर जीक महानतम कृति मे स एक एहि नाटक संगे अमल कए रूप मे निखिल विनय जी एकदम नीक न्याय केलैथि अछि। हुनकर अभिनय कमाल क छल, जबरदस्त संवाद आ जोशीला आवाज श्रोता का कुर्सी पर बैसेने राखलक, ओ बीच-बीच मे किछु पांति गरबरायल मुदा ओ अपना जोशीला आवाज मे दबि क रहि गेल। एकदम नीक अभिनय आ नीक प्रस्तुति अपन भूमिका संग ओ नीक न्याय केलैथि। मुदा मिथिलांगनक वरिष्ट रंगकर्मी मुकेश दत्त क अभिनय पर सवाल उठि गेल, अभ्यास क कमी कही या कोनो आर कारण हुनकर संवाद मे हकलाहट आ धरफरी बुझा रहल छल, एहन जेना कोनो हरबरी मे होए, बीच-बीच मे सम्हरेय क कोशिश कैलैन मुदा संवाद मे किछु कठिन शब्द जेना चमत्कृत आदि बजबा मे हुनका परेशानी बुझायल। मिथिलांगन कए एहि पर ध्यान देबाक चाही। मुदा एहि नाटक क सबस खास गप ई छल जे एहि मे दू गोटे मुकेश दत्त आ संजय चौधरी क छोडि कए सबटा बाल कलाकार छलाह। एतेक रास मैथिल बच्चाक ल कए पहिल बेर कोनो नाटकक मंचन देखलों जाहि मे मुख्‍य कलाकार स ल कए पाश्‍व तक मे बच्चे शामिल रहए। फूलवाली क बेटी बनल सुधा सेहो संवाद अदायगी मे अपन किरदार संग उचित न्याय केलैथि संगेहि अंजलि, अखिल विनय, संजीव बिट्टू, आ रोहित कुमार क अभिनय कमाल क छल।
कुल मिला कए कहल जाए जे मिथिलांगन क ई प्रस्तुति बहुत नीक रहल आ बच्चा सबहक अभिनय सेहो गजब, मिथिलांगन क एहि बच्चा सबकए आर प्रोत्साहित करबाक चाही, आ अपन वरिष्ट कलाकार पर ध्यान देबाक जरुरत सेहो अछि। मिथिलांगन क बहुत बहुत बधाई संगे आयोजक मैलोरंग कए सेहो बधाई।

Tags: delhimaithili

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बाढिक भायवहता पर मनुखक चीत्कार अछि " जल डमरू बाजे"

Esamaad Epaper Website

व्यवस्था संग ख़त्म भेल "टैगोर इन मैथिली थियेटर"

बेला पैलेस मे फेर गुंजल संगीत

Comments 1

  1. Prakash Kr. Jha says:
    13 years ago

    Humro dis sa badhaai.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि