पटना । बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम आब 300 टका मे पर्यटक कए पावापुरी-नालंदा आ राजगीर क भ्रमण कराउत। निगम एहि टूर पैकेज क घोषणा करि देलक अछि। टूर पैकेज क लाभ राजधानीवासी 25-26 दिसंबर, 31 दिसंबर आ एक-दू जनवरी कए उठा सकैत छथि। टूर एण्ड ट्रेवल मैनेजर गजेन्द्र सिंह कहला जे छह दिन क टूर पैकेज लकए बस जाएत। एकर बुकिंग सोमदिन स शुरू भ जाएत। ओ कहला जे 20 स बेसीक संख्या मे एक संग बुकिंग पर एहि टूर पैकेज क लाभ कखनो भेट सकैत अछि। एकरा लेल पर्यटक क संख्या बीस स बेसी हेबाक चाही। जखन कि घोषित तिथि कए एक व्यक्ति क लेल सेहो एहि पैकेज क लाभ ल सकैत अछि। पर्यटक कए अपना लग स भोजन आ नाश्ता करै पड़त। 300 टका केवल किराया आ झूला क हेतु ले जा रहल अछि। पावापुरी मे जैन मंदिर पोखरि क बीच मे छै। जे पर्यटक क लेल आकर्षण क केन्द्र अछि। नालंदा मे विश्वविद्यालय क खंडहर छै। एहि ठाम एकटा म्यूजियम सेहो अछि। राजगीर पहाड़ी स घिरल अछि। एहि ठामक झूला प्रसिद्ध अछि।