पटना । राज्य सरकार चालू वित्तीय वर्ष मे बिजली बोर्ड कए एनटीपीसी स बिजली कीनबा लेल 1080 करोड़ देलक अछि। राशि मासिक 90 करोड़ क दर स एनटीपीसी कए रिजर्व बैंक आफ इंडिया क माध्यम स सीधा भुगतान कैल जाएत। मंत्रिपरिषद क बैठक मे एकरा स्वीकृति प्रदान कैल गेल। बैठक मे वैशाली क राघोपुर मे पुलिस अंचल स्थापित करबा लेल आ पशुपालन सेवा क अधिकारी डा.रामाशीष सिंह क बर्खास्तगी क प्रस्ताव कए सेहो हरी झंडी देखाउल गेल। बैठक क बाद प्रधान सचिव मंत्रिमंडल रविकांत कहला जे राज्य सरकार बिहार बिजली बोर्ड कए गैर योजना मद स 2006 स मासिक 60 करोड़ अनुदान क रूप मे द रहल अछि। बाद मे सूखा आदि क आलोक मे ग्रामीण इलाका मे खेती क लेल बिजली आपूर्ति क व्यवस्था कए मद्देनजर बिजली बोर्ड कए राजस्व घाटा कए कम करबा लेल दिसम्बर 2009 स गैर योजना मद स मासिक 90 करोड़ अनुदान क रूप मे देल जा रहल अछि। ओहि अनुदान कए एहि साल सेहो जारी रखबाक प्रस्ताव कए स्वीकृति देल गेल अछि। वैशाली जिला क राघोपुर मे पुलिस अंचल क स्थापना आओर एकर संचालन क लेल 12टा पद क सृजन क प्रस्ताव कए सेहो मंजूरी द देल गेल। पटना स्थित बीडी इवनिंग कालेज क लेल मानव संसाधन विभाग मगध विवि क कुलसचिव कए मीठापुर मे 0.25 एकड़ कैसर-ए-हिन्द भूमि नि:शुल्क स्थानांतरण क स्वीकृति द देलक अछि। इ मीठापुर स्थित आवास संख्या सी-3 आ सी-4 क रकबा अछि। बैठक मे सुपौल क प्रतापगंज मे कोसी योजना क 5.44 एकड़ जमीन पालिटेकनिक संस्थान क स्थापना लेल विज्ञान आ प्रावैधिकी विभाग कए हस्तांतरित करबाक प्रस्ताव कए सेहो मंजूरी द देल गेल।