• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिजली लेल प्रधानमंत्री लग पहुंचल बिहार

April 7, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्ली। बिहार मे राजनीतिक सोच आब बदलि चुकल अछि। राहुल राज मामला के बाद कई बेर कोनो नेता या दल नहि बल्कि पूरा बिहार दिल्‍ली क दरबार मे अपन विरोध जता इ बता चुकल अछि जे बिहार आब एक अछि। शुक्रदिन सेहो बिजली आ कोयला आपूर्ति सन राज्‍यहित सन मामला ल कए पूरा बिहार प्रधानमंत्री लग पहुंचल। सच पूछू त बिजली बिहार क कोनो एकटा दल या नेता क समस्‍या नहि थीक, इ त पूरा बिहारक समस्‍या थीक, ताहि लेल प्रधानमंत्री सेहो पूरा मामला कए गंभीरता स लैत कार्रवाईक आश्‍वासन देलथि। बरौनी थर्मल पावर क विस्तार परियोजना लेल कोल लिंकेज आओर बाढ़ आ कहलगांव थर्मल पावर परियोजना स आपूर्ति क आधा हिस्‍सेदारी बिहार कए देबाक मांग ल कए जखन राज्य क एकटा सर्वदलीय प्रतिनिधिमंडल शुक्रदिन प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह स भेंट केलक त दिल्‍ली कए सेहो लागल जे आब बिहार संग अन्‍याय करब आसान नहि होएत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क नेतृत्व मे आयल सर्वदलीय प्रतिनिधिमंडल प्रधानमंत्री स भेंट क दौरान हुनका एहि संबंध मे दूटा ज्ञापन सौंपलक। प्रधानमंत्री क संग करीब आधा घंटा क चर्चा भेल। वार्ता क बाद नीतीश कुमार कहला जे बिहार विधानमंडल मे चर्चा क दौरान सर्वानुमति बनल छल जे एहि मसला पर सब दल क लोग पीएम स भेंट करब। ओ कहला जे इ राज्‍यहित क मामला छी। ओ कहला जे प्रधानमंत्री बिहार क गप ध्यान पूर्वक सुनलाह अछि आ आश्वासन देलथि अछि। सर्वदलीय प्रतिनिधिमंडल मे मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार क अलावा उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी, ऊर्जा मंत्री बिजेंद्र प्रसाद यादव, विधानसभा मे विपक्ष क नेता अब्दुल बारी सिद्दीकी, विधान परिषद मे विपक्ष क नेता गुलाम गौस, कांग्रेस क सदानंद सिंह, भाकपा क केदार पांडेय, माकपा क बासुदेव सिंह आओर लोजपा क जाकिर हुसैन शामिल छलथि। ज्ञात हुए जे बिहार सरकार बरौनी थर्मल क क्षमता क विस्तार करि 250-250 मेगावाट क दूटा यूनिट लगा रहल अछि। एकरा लेल ओ कोल लिंकेज क मांग करि रहल अछि। कोयला मंत्रालय बिहार क मांग कए इ कहैत ठुकरा देलक अछि जे राज्य कए एकरा लेल कोल ब्लाक क आवंटन भ चुकल अछि। बिहार कोल ब्लाक नहि कोल लिंकेज मांगि रहल अछि। राज्य क दोसर मांग एनटीपीसी क बाढ़ आ कहलगांव सुपर थर्मल स उत्‍पादित बिजली क कोटा बढेबाक अछि। केंद्र सरकार 14टा नव पावर प्लांट लेल राज्‍य क कोटा पचास प्रतिशत करि देलक अछि। मुदा एहि कानून क तहत बाढ़ आ कहलगांव क नव इकाइ कए शामिल नहि कैल गेल अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

टेस्ट ट्यूब बेबी क सुविधा देत डीएमसीएच

Esamaad Epaper Website

रॉकेट साइंस मे नव प्रयोग लेल संस्कृत विद्वान क जरूरत पूरा करत दरभंगा

Esamaad Epaper Website

गौस पर धौंस जमेबा लेल राबडी पहुंचलथि परिषद

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि