• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहारक विकास देखबाक अछि त पंजाब आउ

May 12, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

लुधियाना स समदिया गिरिजेश


पंजाब क इंडस्ट्री मे गंभीर मजदूर संकट, लेबर कए कए उद्यमी मे खींचतान

जालंधर/ लुधियाना। बिहार मे विकास केतबा भेल एहि पर विवाद भ सकैत अछि, मुदा पंजाबक उद्यमी स अगर पूछल जाए त बिहार मे एतबा विकास जरूर भ रहल अछि जे पंजाब मे ऐतिहासिक मजदूर संकट भ गेल अछि। पहिने पंजाबक खेत मजदूरक बाट तकलक आब एहि ठामक उद्योग सेहो बिहारी मजदूरक संकट झेल रहल अछि। संकट एतबा विकराल भ चुकल अछि जे उद्यमी एकरा लेल राज्य आ केंद्र सरकार तक कए पत्र लिख चुकल छथि। पत्र मे कहल गेल अछि जे कईटा संकट स जूझि रहल पंजाब क इंडस्ट्री क लेल अकुशल लेबर क कमी एकटा नव आ विशाल संकट बनि गेल अछि।  उद्यमीक कहब अछि जे पंजाब क इंडस्ट्रीज मे काज करनिहार ज्यादातर मजदूर बिहार स छथि।  बिहार मे औद्योगिक विकास तेजी पकडि़ रहल अछि आ अगर इ तेजी बनल रहत त पंजाब मजदूरविहीन भ जाइत।
पंजाब मे दोसर राज्य स काज करनिहार मजदूर एहि औद्योगिक विकास मे तेजी स शिफ्ट भ रहल छथि। पंजाब मे 20 फीसदी स बेसी अकुशल मजदूर क कमी अछि। उद्यमी क परेशानी क कारण इ अछि जे पंजाबी युवक कए मजदूरी मे कोनो रुझान नहि अछि। ओ यूरोपियन आ अरब देश मे कामकाज क मौका तलाश रहल छथि। उद्योग नगर मैन्यूफैक्चर्स एसोसिएशन क प्रधान तेजिंदर सिंह भसीन क कहब अछि जे इंडस्ट्री मे नव अकुशल मजदूर नहि आबि रहल अछि, पहिने स जे छल ओ जा रहल अछि। एहन मे कुशल मजदूरक त गप छोडि़ दियउ,जे पिछला कई साल स अकुशल लेबर क तौर पर काज करि रहल छल, तेकरे ट्रेनिंग दकए स्किल्ड लेबर क तौर पर इस्तेमाल कैल जा रहल अछि। हुनक अनुसार बिहार जहि रूप मे आगू जा रहल अछि एहन मे पंजाबक अकुशल लेबर क समस्या तखने हल भ सकैत अछि, जखन पंजाबी युवक कए प्रोत्साहित करिकए इंडस्ट्री क दिस आनल जाए।
लघु उद्योग भारती क जिला सीनियर उप प्रधान पंकज धीर क कहब अछि जे  स्किल्ड लेबर क कमी कए लकए केंद्र आ राज्य सरकार कए पत्र लिखल गेल अछि। पंजाब मे एहन औद्योगिक ट्रेनिंग सैंटर खोलबाक जरूरत अछि जतय इंडस्ट्रीज क जरूरत मुताबिक लेबर कए ट्रेनिंग देल जा सकए, संगहि  इ सुझाव सेहो देल गेल अछि जे अगर एहन सैंटर जालंधर या लुधियाना मे खोलल जाए त एहि मे ट्रेनिंग मे आबै वाला खर्च क एकटा हिस्सा हम सब उठेबा लेल तैयार छी, मुदा सरकार दिस स एखन धरि कोनो जवाब नहि आयल अछि।
दोसर दिस स्थिति दिन प्रति दिन बदतर भ रहल अछि। लेबर क कमी क कारण उद्यमी क बीच लेबर कए लकए खींचतान बढ़ल जा रहल अछि। हर उद्यमी अपन लेबर कए लकए सतर्क अछि जे कहीं ओकर लेबर दोसर उद्यमी नहि खींच लिए। एकटा उद्यमी दोसर क लेबर ल जाइत अछि, त दूनू मे तनातनी भ जाइत अछि, कतेक ठाम त मामला धमकी तक पहुंच गेल अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

पटना मे बिल गेट्स

बिहार : कालाजार आ पोलियो क उन्मूलन मे मदद करताह बिल गेट्स

ग्राम्य सुंदरता मे सबकिछु बिसरलाह गेट्स

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि