• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बिहारमे प्रवासीक रोजगार लेल सभ 38 जिलामे खुजत 189 नव छोट उद्योग

August 31, 2020
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

Migrant Labour, Bihar, Jobs in Bihar, bihari Jobs, Bihari Labour,

पटना । बिहारक सभ जिलामे छोट उद्योग खोलल जयबाक क्रम शुरू भ’ गेल अछि। एकरा जिला औद्योगिक नव प्रवर्तन योजनाक अंतर्गत खोलल जा रहल अछि। एकरा लेल सरकार सभ जिलाके 50-50 लाख टाका देने छल।

 

सभ 38 जिलामे एखन धरि 189 छोट उद्योग चिन्हित भ’ चुकल अछि. बेगूसराय आ कैमूरमे त’ चारि ठाम काज शुरू होयबाक  दावा सेहो उद्योग विभाग कयलक अछि। एहि सभ छोट उद्योगमे प्रवासी श्रमिकक समूह बना क’ हुनका रोजगार देल जा रहल अछि। सभ समूह पर 10 लाख टाका खर्च कयल जयबाक अछि। कोरोना कालमे बिहार लौटयवला लाखो प्रवासी श्रमिकक लेल राज्य सरकार कतेको नव योजना शुरू कयने छल। नव निवेशके आकर्षित करबाक लेल औद्योगिक निवेश प्रोत्साहन नीतिमे सेहो कतेको प्रमुख बदलाव कयल गेल अछि.

 

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

सरकार एहि क्रममे जिला औद्योगिक नव प्रवर्तन योजना शुरू कयने छल। एकरा अंतर्गत सभ जिला पदाधिकारीके सूक्ष्म इकाइ स्थापित करेबाक लेल 50 लाखक नव प्रवर्तन निधि देल गेल अछि. एहि धनराशि स’ सभ जिलामे स्थानीय विशेषता आ श्रमिकक जरुरति आ कुशलताके ध्यानमे रखैत 189 सूक्ष्म माने छोट उद्योग खोलल गेल अछि।

जिला स्तर पर प्रवासी श्रमिक वा कुशल कारीगरक समूह बनाओल गेल अछि। जे एकहि सेक्टर स’ जुड़ल होअय. कतेको ठाम एहि  प्रक्रियाके अंतिम रूप देल जा रहल अछि। एहि समूहक पंजीकरण कराओल जा रहल अछि. सभ समूहमे कम स’ कम 10 गोटे होयताह. सभ समूह पर 10 लाख खर्च कयल जयबाक अछि त’ एहि लेहाज स’ सभ जिलामे पांच समूह बनाओल गेल अछि. माने पांच-पांच उद्योग सभ जिलामे स्थापित भ’ रहल अछि। ओतहि प. चंपारणमे एहन उद्योगक संख्या छह अछि।

 

राज्य सरकार एहि योजनाक अंतर्गत स्थापित इकाइक फारवर्ड आ बैकवर्ड लिंकेजके सेहो सुनिश्चित करबाक निर्देश देलक अछि। जाहि स’ इ इकाइ बहुत काल धरि कार्यरत रहि सकय. माने एहि इकाइके ने त’ कच्चा मालक कोनो दिक्कत होअय आ ने एकरा  द्वारा तैयार मालके बाजारक।

 

एहि समूहक लेल सिलाई केंद्र, पेपर ब्लॉक उपकरण, हस्तकरघा बुनाई केंद्र, बढ़ईिगरी केंद्र, मशरूम प्रसंस्करण केंद्र, शहद निर्माण, बेकरी, स्टील फर्नीचर, खेलाक सामान, जैकेट आ बैग निर्माण, बांस उत्पाद पर आधारित उद्योग, लाउंड्री, लकड़ीक फर्नीचर, रेडीमेड गारमेंट, पेवर ब्लॉक, जरीक काज, इम्ब्राइडरी, अचार निर्माण, हैंडीक्रॉफ्ट, बनाना फाइबर, फुटवियर, पीवीसी बोर्ड, अगरबत्ती निर्माण आदि उद्योग खोलल जा रहल अछि. एहि सभक शुरू होइते हजारो लोकके रोजगार भेटत.

Tags: Migrant Labour
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Amit Shah, Amit Shah home minister, Home Minister India, Amit Shah health, Amit shah corona report

केंद्रीय गृहमंत्री अमित शाह पूर्ण स्वस्थ भेलाह, 12 दिन बाद AIIMS स' भेटल छुट्टी

Shruti Modi, Sushant Singh case, Sushant Singh Case update, Rhea chakraborty,

सुशांत केसमे नव खुलासा : सुशांतक दू गोट बहिन ड्रग्स लैत छलीह, नशाक कारण लगातार सुशांतक कैरियर खसि रहल छल

Indo China war, War in Border, Pangok Lake war

भारत-चीनक बीच फेर झगड़ा: पैंगोंग लेक लग चीनी सैनिक घुसपैठक प्रयास कयलक, सेना देलक मुंहतोड़ जवाब

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

by संपादक
February 23, 2019
1

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि