पटना । बिहार सरकार बायोमेट्रिक कार्ड ई-शक्ति कए जल्द पूरा राज्य मे लागू करबाक योजना बनौलक अछि। फिलहाल एहि कार्ड क ट्रायल पटना मे चलि रहल अछि। राज्य सरकार क मुताबिक एहि स मनरेगा योजना मे मौजूद भ्रष्टाचार पर लगाम कसबा मे मदद भेटत।
राज्य सरकार एकटा पदाधिकारी क कहब अछि, एहि कार्ड क परिणाम काफी नीक रहल अछि। एहिस हमरा सबकए मनरेगा मे भ्रष्टाचार पर रोक लगेबा मे काफी मदद भेटल अछि। हम एहि प्रयोग कए आब जल्द स जल्द पूरा राज्य मे लागू करए चाहैत छी। एकरा लेल हमर तैयारी सेहो काफी नीक अछि।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो हाल मे इ कहने छलाह- इ कार्ड हमर सोच क नतीजा छी। हम मिशन क तौर पर एहि परियोजना कए लेने छी आ आइ एकरा कईटा राज्य अपना रहल अछि। आइ एहिस मनरेगा क तहत काज करनिहार लोक कए फायदा भ रहल अछि। एहि स मनरेगा मे होइवाला बंदरबांट पर रोक लागत। आब त हम एकर मदद स वित्तीय समावेश कए सेहो बढ़ावा द रहल छी।
गौरतलब अछि जे बीतल साल फरवरी मे राज्य मे पायलट परियोजना क रूप मे पटना जिला मे ई-शक्ति कार्ड क शुरुआत भेल छल। एहि काज मे राज्य सरकार सॉफ्टवेयर कंपनी ग्लोडाइन टेक्नोसर्व लिमिटेड स तकनीकी सहायता ल रहल अछि। कंपनी क अध्यक्ष आनंद सरनायक क कहब अछि- हमरा लग मे एखन धरि ई-शक्ति कार्ड क लेल 40 लाख आवेदन आएल अछि। एखन धरि हम सब 3 लाख कार्ड बना चुकल छी। बाकी बचल कार्ड सेहो एहि वित्त वर्ष क पूरा होइत होइत बनि जाएत। हालांकि, इ एतबा आसान नहि छल। शुरुआत मे हमरा स एहि बारे मे कई तरह क गप कहल गेल, मुदा राज्य सरकार स पूरा सहयोग भेटल।
ओ कहला- बिहार क बाकी क 37टा जिला मे सेहो हम एहि कार्ड कए बनेबा लेल तैयार छी। इ कार्ड लोक प्रशासन मे गेम चेंजर क तरह अछि किया कि एहि स मनरेगा सन योजना मे पारदर्शिता कए बढ़ावा भेटत।
कंपनी कए राज्य सरकार क दिस स कार्ड बनेबा लेल आ ओकरा लेल तकनीकी मदद मुहैया करेबा लेल 284 करोड़ टका क ठेका देल गेल अछि। ओतहि किछु अधिकारीक कहब अछि जे राज्य मे विधानसभा चुनाव कए देखैत एकरा अगिला एक-दू मास मे लागू करि पाएब एकर उम्मीद नहि कए बराबर अछि। एकटा वरिष्ठ अधिकारी कहला- विधानसभा चुनाव मे बस आब गिनती क दिन बचल अछि। एहन मे बेसी उम्मीद करब बेमानी होएत।