पटना। बिहार मे मैट्रिक आ 12वीं क परीक्षा मे छात्रा क संख्या मे लगातार वृद्धि भ रहल अछि। पिछला पांच वर्ष क रिकॉर्ड देखल जाए त एहि दूनू परीक्षा मे छात्रा क संख्या मे करीब दोगुना वृद्धि दर्ज कैल गेल अछि।
बिहार विद्यालय परीक्षा समिति मे दर्ज आंक़डा कहैत अछि जे वर्ष 2005 मे मैट्रिक परीक्षा मे कुल परीक्षार्थी क संख्या 5.60 लाख छल, जाहि मे ल़डकी क संख्या 1.87 लाख छल। दोसर दिस एहि साल ल़डकी क संख्या मे अप्रत्याशित वृद्धि दर्ज कैल गेल अछि। एहि वर्ष मैट्रिक क परीक्षा मे 9,31,993 परीक्षार्थी मे करीब चारि लाख लडकी अछि। आंक़डा क मुताबिक 12वीं क परीक्षा मे वर्ष 2010 मे कुल 6.06 लाख परीक्षार्थी शामिल भ रहल अछि, जाहि मे छात्रा क संख्या 2.46 लाख छल। एहि साल 12वीं क परीक्षा मे कुल 7,01,851 परीक्षार्थी शामिल भ रहल छथि। एहि मे 2,83,564 छात्रा छथि। सरकारी अधिकारी सेहो एहि वृद्धि कए राज्य क लेल शुभ संकेत मानि रहल छथि। बिहार विद्यालय परीक्षा समिति क अध्यक्ष एकेपी यादव कहैत छथि जे एहि वृद्धि मे ग्रामीण क्षेत्र क ब़ड पैघ योगदान अछि। सरकार द्वारा मुख्यमंत्री साइकिल योजना, मुख्यमंत्री पोशाक योजना सहित अल्पसंख्यक छात्रा कए आर्थिक सहायता जइसन योजना क कारण स छात्रा क संख्या मे वृद्धि दर्ज कैल गेल अछि। उल्लेखनीय अछि जे पिछला वर्ष मैट्रिक आ 12वीं दूनू परीक्षा मे लडकी लडका स परिणाम मे सेहो आगू रहल छल।