पटना। बिहार मे बैंक आफ इंडिया क पहली कारपोरेट शाखा काज करब शुरू करि देलक अछि। एहि शाखा स पैघ उद्यमी कए त्वरित वित्तीय सहायता प्रदान कैल जा सकत। इ बैंक क बिहार मे पहिल विशेषीकृत कारपोरेट बैंकिंग शाखा अछि। एहि शाखा स 3 करोड़ स ऊपर क नव ऋण प्रस्ताव क निष्पादन होएत। बिहार मे चलि रहल विकास क दौर मे पैघ उद्यमी कए त्वरित ऋण प्रदान करि बैंक राज्य क विकास मे महत्वपूर्ण भूमिका निभा सकत। एहि मौक ा पर बैंक क स्थानीय प्रधान कार्यालय क महाप्रबंधक एनवी धमधरे कहला जे पटना अंचल क कारोबार एखन 3856 करोड़ अछि आ मार्च 2010 तक इ 4 हजार करोड़ कए पार करि जाएत। धमधरे कहला जे 16 मार्च कए बैंक आफ इंडिया बिहार आ झारखंड मे 16 अतिरिक्त एटीएम खोलत।