• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार स संबंध त अछि, मुदा गाम स कटल छी : आलोक नाथ

September 28, 2011
in समाचार, साक्षात्‍कार
A A

हिंदी फिल्‍म जगत क सदाबहार चरित्र अभिनेता आलोक नाथ आइ बिहार स पूर्णत: कटि चुकल छथि। 10 जुलाई 1956 में जन्‍मल आलोकनाथ क नैनपन दिल्‍ली आ जीवन मुंबई मे गुजरल। बिहार क खगडिया जिलाक मूल निवासी सिनेमा आ टेलीविजन क एहि प्रसिद्ध कलाकार स बिहार सहित आन विषय पर समदिया सुनील कुमार झा आ नीलू कुमारी टेलीफोन पर लंबा चर्च केलथि। प्रस्‍तुत अछि ओकर किछु अंश:-

सुनील : जी, नमस्कार
आलोक नाथ : नमस्‍कार, कहल जाए।

सुनील : सर, गप मैथिली मे कैल जाए या हिंदी मे।
आलोक नाथ : देखू मैथिली त हमरा नहि अबैत अछि, ताहि लेल हिंदी उचित रहत।

सुनील : ठीक अछि। आइ अहां चरित्र अभिनेताक शीर्ष पर छी, मुदा एहि यात्राक शुरुआत कोना भेल।
आलोक नाथ – हमर फिल्‍मी यात्राक शुरुआत एकटा छोटसन रोल स भेल। हमर पहिल फिल्म गाँधी अछि जे 1982 मे बनल छल, रिचर्ड साहब एकरा निर्देशित केने छलाह। एहि मे हमर एकटा छोट सन भूमिका छल तैयब मोहम्मद क। इ फिल्म गाँधी क साउथ अफ्रीका मे बिताउल गेल जीवन क उपर छल। ओना हमरा पहिल फिल्‍म फीचर फिल्‍म मशाल छी।

सुनील : अहां सिनेमा क संग संग टेलीविजन पर सेहो बहुत सक्रिय आ लोकप्रिय छी, छोट परदाक यात्रा केना आ कहिया शुरू भेल।
आलोक नाथ : हमर पहिल टीवी सीरियल रिश्ते नाते (1980) में आयल छल, मुदा 1987 मे बुनियाद स पहचान भेटल।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

सुनील : कोनो खास रोल जे अहां कए पसंद रहल।
आलोक नाथ : रोल त सबटा पसंद अछि, बिना पसंद कए रोल करिते नहि छी। हां, कयामत से कयामत तक, मैंने प्यार किया, हम साथ साथ हैं, विवाह आदि में हमर अभिनय कए लोक बेसी पसंद केलक।

सुनील : अहांक अगिला फिल्‍म हम सब कौन देखब।
आलोक नाथ : बहुत में काज कए रहल छी, मुदा द वेडिंग गिफ्ट, हाय मम्मी हाय डैडी जल्‍द आउत।

सुनील : किछु निजी सवाल, अहांक घर मे केके छथि।
आलोक नाथ : हमर परिवार कोनो विशेष नहि अछि। सामान्‍य परिवार अछि। हम, हमर बच्‍चा आ हमर माँ छथि।

सुनील : सर, सुनबा मे आयल अछि जे अहां बिहार स छी।
आलोक नाथ: अरे भाई इ के कहि देलक अहां कए जे हम बिहार स छी, हमर नैनपन दिल्‍ली आ जीवन मुंबई मे गुजरि रहल अछि।

सुनील : सर, मुदा एहि स इ साबित नहि भ रहल अछि जे अहांक संबंध बिहार स नहि अछि।
आलोक नाथ : अहांक सूचना पूरा गलत नहि अछि, दरअसल हम बिहार स नहि छी, हमर पूर्वज बिहार स छथि। हमरा बिहारी कहब गलत होएत। हम अपना कए बिहार स कोना जोडि सकैत छी। हम ओहि ठाम स पूरा कटि चुकल छी।

सुनील : त अहांक बिहार स कोनो संबंध नहि अछि।
आलोक नाथ : हम इ कोना कहि सकैत छी। हमर सासुर बिहार क आरा जिला में अछि। हमर ससुर एसएन सिंह पटना में रहैत छथि।

सुनील : अहां अपन नाम संग सरनेम झा नहि लगबैत छी।
आलोक नाथ : ओह, त इ सेहो पता अछि जे हम झा छी, सरनेम नहि राखब कोनो अपराध। अगर सरनेम नहि लगबैत छी त ककरो की परेशानी।

सुनील : सर, अहां कए मैथिली नहि अबैत अछि, मुदा बिहार क दोसर रीजनल लेंग्वेज त अबैत होएत जेना भोजपुरी।
आलोक नाथ : नहि, हम भाषाक मामले मे बेसी धनी नहि छी।

सुनील : बिहार आ बिहारीक प्रति इ बेरूखी किया।
आलोक नाथ : ण्‍खन कोनो गप नहि अछि। हमरा बिहार पसंद अछि, हम भगवान् स दुआ करैत छी जे अगिला जन्‍म बिहार मे ली।

सुनील : मैथिली फिल्‍म मे काज करबाक प्रस्‍ताव भेटत त अहां स्‍वीकार करब।
आलोक नाथ : निश्चित, एकटा कलाकार छी, अभिनय करब हमर काज अछि।

सुनील : इ’समाद लेल अपन कीमती समय देलहुं, ताहि लेल बहुत बहुत धन्यवाद
आलोक नाथ : धन्‍यवाद।

Tags: aloknathBiharkhagriamithilapatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बेगुसराय मे सजत ध्रुपद क महफिल

Esamaad Epaper Website

20 साल बाद फेर बहत सुरधार

Esamaad Epaper Website

पावर प्लांट मे टाटा, रिलायंस समेत 20टा कंपनी रुचि देखेलक

Comments 8

  1. भास्करानन्द झा भास्कर says:
    14 years ago

    वाह सुनील जी वाह!!!! बढिया साक्षात्कार रहल!!! ई हमर बहुत दिन सं इच्छा छल कि कोनो गोटा आलोक नाथक साक्षात्कार ल क आबथि!!! साक्षात्कार के माध्यम स महत्वपूर्ण जानकारी स अवगत भेलऊं। अहि लेळ सुनील जो आहा के बहुत बहुत धन्यवाद!!भास्करानन्द झा भास्कर

    Reply
  2. garima says:
    14 years ago

    wah bhaiya ji bhut acha laga pad k ap such mai bhut aage jyege

    Reply
  3. kunal choudhary says:
    14 years ago

    Bahut Bahut danyabad sunil jee, Etek nik sakhatkar ke lel.

    Reply
  4. Anand jha says:
    14 years ago

    Bahoot sunder sunil ji ahank je shakshatkar rahal nik rahal lekin alok naath ji ke ehi batak jawab je sir name lagela ya nai lagela s kakro matlab , hinka san admi ke e sab sobha nai dait achhi e alag baat chhai jje film industris me naam lok badali k rakhait achhi ohi me eho chhathi, lekin apan sir name chhupenay nik lok nai k sakai ye tahan sabhak marji dosar baat eho dukhak gapp chhai je ek ta mithila ke chhorla sange rajya ke seho chhorla agar hinka nai jarurat chhen bihar ya mithila ke t hinko jarurat ham maithil aa bihari ke nai achhi . Jai mithila

    Reply
  5. Dr. Shashidhar Kumar says:
    14 years ago

    बहुत नीक भेंट सुनील जी । नञि बुझल छल पहिने । बहुत बहुत धन्यवाद ।

    Reply
  6. Prakash Kr. Jha says:
    14 years ago

    Ehi sakchhatkar ke madhyam sa Aloknath jik vishay mein nab jankari bhetal. Aloknath ji mithila ke chhathi, se o manaith athva nai, muda sachhai ta yeh thik. Dhanyabad.

    Reply
  7. Dayakant says:
    14 years ago

    Sunil Jee bahut bahut dhanybad apan maithil mul ke khojwak lel.

    Reply
    • Dr. Shashidhar Kumar says:
      14 years ago

      आनन्द जी सँ ‍१०० प्रतिशत सहमति छी ।

      Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि