• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बुद्ध सर्किट पर भेल बिहार भूटान मे चर्चा

September 28, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

गया। भूटान क प्रधान मंत्री लिनपो जिग्में वाई थिनले आ बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क बीच भेल बैठक मे बुद्ध सर्किट सहित कई मुद्दा पर विस्तार स चर्चा भेल। बैठक क बाद थिरले कहला जे भारत आ भूटान क बीच पुरान आ बेहतर संबंध अछि। एकरा आओर विस्तार देबाक जरूरत अछि।
ओ कहला जे बिहार मे पर्यटनक अपार संभावना अछि आ भूटान एहि मे बिहार कए सहयोग करबा लेल तैयार अछि। ओ कहला जे बिहार क विकास क लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क लग मे एकटा नीक योजना अछि। एहि योजना क क्रियान्वयन कैल जा रहल अछि, जाहि स बिहार क न सिर्फ आर्थिक विकास होएत, बल्कि देश विदेश स अबनिहार श्रद्धालु पर बिहार क सकारात्मक छवि तैयार होएत। बिहार क एहि योजना स, हम काफी प्रभावित छी। थिनले बौद्ध स्थल क विकास मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क व्यक्तिगत रूचि क सराहना केलथि।
ओ कहला जे बिहार मे भूटान स प्रत्येक वर्ष 50-60 हजार तीर्थयात्री अबैत छथि। भूटान क प्रधानमंत्री लिनपो जिग्मे वाई थिनले कहला जे भूटान सरकार भूटान-बोधगया क लेल जारी वायु सेवा क उड़ान मे वृद्धि करत आ भूटान-, बोधगया- बंगलुरु हवाई सेवा शीघ्र शुरू कैल जाएत।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा दोबारा बिहार एबाक क आमंत्रण कए स्वीकार करैत कहला जे भूटान भौतिकता कए मापदंड नहि मानैत अछि, बल्कि अपन संस्कृति कए बचबैत आगू बढैत अछि, आध्यात्मिकता क आधार पर विकास चाहैत अछि। एहि स न सिर्फ परिस्थिति सुरक्षित रहत, बल्कि पर्यावरण सेहो संतुलित रहत। एहि कारण स भूटान ग्लोबल वामिंर्ग स बचल अछि। ओ कहला जे न सिर्फ व्यक्तिगत बल्कि राष्ट्रीय स्तर पर एहि सिद्धांत क क्रियान्वयन कैल गेल अछि। संगहि ओ उम्मीद जतेलाह जे भूटान क एहि विचार कए जल्द वैश्विक आधार भेटत।
एहि मौका पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे भूटान एतबा बेसी विकास करि लेलक अछि जे सार्क देश मे सबस बेसी प्रति व्यक्ति आय भूटानक अछि। ओ कहला जे भूटान क सवांर्गीण विकास मे भारत क महत्वपूर्ण योगदान रहल अछि। ओ भूटान क सकल राष्ट्रीय उत्पादन क सराहना केलथि। संगहि, कुमार भूटान क प्रधानमंत्री कए महाबोधि सोसायटी ऑफ इंडिया क अध्यक्ष चुनल जेबा पर बधाई सेहो देलथि।

Tags: बिहार

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

कांग्रेस क पहिल सूची में 22टा मुसलमान आओर 14टा मौगी

Esamaad Epaper Website

लालू बंटलथि प्रत्याशी कए सिंबल

पटना स गो एयर क एकटा आओर विमान सेवा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि