पटना। केंद्रीय गृह मंत्री पी चिदंबरम शनिदिन कहला जे भारत-नेपाल सीमा पर 2,200 किलोमीटर लंबा सड़क क निर्माण कराउल जाएत, जाहिस दूनू देश क बीच व्यापारिक संबंध कए आओर मजबूती भेटत। कार्यक्रम क दौरान राज्य क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो मौजूद छलाह।
बिहार क रक्सौल मे शनिदिन एकीकृत जांच चौकी (आईसीपी)क आधारशिला रखबाकबाद लोक कए संबोधित करैत चिदंबरम कहला, ‘भारत-नेपाल सीमा पर 2,200 किलोमीटर लंबा सड़क क निर्माण कराउल जाएत। इ सड़क क निर्माण मे 1,752 करोड़ खर्च एबाक संभावना अछि।Ó
ओ कहला जे आईसीपी पूरा अत्याधुनिक सुविधा स लैस होएत। देश मे प्रवेश करनिहार सबटा वाहन कए आधुनिक तरीका स परीक्षण कैल जाएत। आईसीपी क बनबा स सीमा पर सुरक्षा क पुख्ता प्रबंध करबा मे बेसी सहायता भेटत।
गौरतलब अछि जे रक्सौल आईसीपी बिहार मे खुलैवाला पहिल आ देश क दोसर आईसीपी होएत। करीब 250 एकड़ मे बनि रहल एहि आईसीपी मे 120 करोड़ खर्च एबाकउम्मीद अछि आ इ जून 2011 तक बनिकए तैयार भ जाएत। भारत-नेपाल सीमा क लग तीनटा आओर आईसीपी बनेबाकयोजना अछि एहिमे स एकटा बिहार क जोगबनी मे बनाउल जाएत। आईसीपी खोलबाक मुख्य उद्देश्य देश क सीमा पर विभिन्न प्रवेश आ निकासी बिन्दु पर ढांचागत बाधा कए दूर करब अछि।