• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

भैयादूज पर आखिरी बेर भेल छल भेंट

November 26, 2009
in समाचार
A A

DSC_7606
मुंबई मे वीटी स्टेशन पर आतंकवादी क गोली स मारल गेल छलाह बिनोद

उज्ज्वल कुमार
पटना। बिनोद क बहिन शांति गुप्ता कहैत छथि जे बिनोद स हुनकर आखिरी भेंट भैयादूज-बजरी क मौका पर भेल छल, जखन ओ पटना आइल छलाह। पांच बहिन मे स केवल हम ही पटना मे रहैत छी ताहि लेल हमरा हुनका स अन्य बहिन क मुकाबले बेसी भेंट होइत छल। आखिरी मुलाकात क दौरान ओ कहने छल जे ओ जल्द काफी दिन लेल पटना आबि कए रहत।

करीब साढ़े दस बजे भेटल छल सूचना

बिनोद क सहोदर बहिन शांति कहैत छथि जे गोलीबारी शुरू हेबाक करीब एक घंटा बाद राति साढ़े दस बजे प्रदीप पटना फोन केलाह जे माइ आ बिनोद क हालत गंभीर अछि। एकर बाद त कोलकाता स छोटकी बहिन सबसे पहिने मुंबई पहुंचलीह।

काफी तकलाक बाद भेटल बिनोद क शव

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

बिनोदक मौत क सूचना क बाद हुनकर शव तकबा मे काफी दिक्क्त भेल। पोस्टमार्टम करबाक बाद अधिकतर शव कए लावारिस हालत मे पोस्टमार्टम रूम क आगू राखि देल गेल छल। समय अभाव क कारण बिनोद क शव कए पटना नहि आनल जा सकल। हुनकर सासुरक लोक सब हुनकर ओहि ठाम अंतिम संस्कार करि देलक।

…सावित्री नहि बचा सकलीह अपन सत्यवान

कहल जाइत अछि जे सावित्री यमराज क झोली स अपन पति क जान वापस लेबा मे सफल रहल छलीह, मुदा इ सावित्री अपन ‘सत्यवान-बिनोदÓ कए बचेबा मे असफल रहलीह। पटना क मूल निवासी बिनोद कुमार गुप्ता क कनिया सावित्री क आखि एखनो नोराइल अछि। ओ कहैत छथि यमराज बनि कए आइल आतंकवादी कए नौ माह क दुधमुंही बच्ची देखि कए तरस नहि आइल।

रेलवे देलक कनिया कए नौकरी

अपन पति बिनोद कए गंवा चुकल सावित्री कए रेलवे नौकरी देने अछि। अपन दू टा बेटी क सहारे सावित्री अपन नव जिंदगी शुरु करबाक कोशिश करि रहल छथि। बड़की बेटी त एखन पांच साल क अछि, जखन कि छोटकी बेटी महज दू साल क अछि।

विवाह समारोह मे भाग लेबा लेल आबि रहल छलाह बिनोद

बिनोद कुमार गुप्ता अपन माइ क संग विवाह समारोह मे भाग लेबा लेल पटना आबि रहल छलाह। प्रदीप जे हुनकर संबंधी छथि, हुनका सेहो पटना एबाक छलन्हि। प्रदीप दादर स्टेशन पर छलाह आ बिनोद मुंबई वीटी स्टेशन पर। बिनोद किछु काल पहिने प्रदीप कए कॉल केने छलाह जे अहूं वीटी स्टेशन पर चल आउ। कॉल समाप्त नहि भेल छल कि बिनोद कए आतंकवादी गोली स छलनी करि देलक।

जर्मन कार क तकनीक सीखबा लेल मुंबई गेल छलाह बिनोद

बिनोद कए जर्मन कार क तकनीक सीखबाक बड़ शौक छल। पटना मे बैट्री आ डायनेमो क हुनकर कारोबार छल। एहि उद्देश्य क संग बिनोद वर्ष 1997-98 मे मुंबई क रुख केने छलाह। ओहि ठाम बिनोद एकटा गैराज सेहो खोलि लेने छलाह। 2003 मे ओ ओहि ठाम विवाह सेहो करि लेलथि। घाटकोपर मे ओ अपन मकान मे रहैत छलाह। फिलहाल ओ एकटा प्राइवेट कंपनी क लेल इंश्योरेंस एजेंट क काज सेहो करैत छलाह।

कतए गेल हमर बाबू…

एकरा एकटा संयोग कहल जाइ जे बिनोद क जान अपन माइ क गोद मे गेल। माइ कए सेहो आतंकवादी छह टा गोली दागने छल। मुदा ओ बचि गेलीह। कतए गेल हमर बाबू…..? एखन त ओ हमरे कोरा मे छल। हमर बिनोद कतए गेल? माइ मालती देवी कए जखन-जखन होश अबैत अछि बस मुंह स एतबे निकलैत अछि। एक साल बितलाक बावजूद मालती देवी पर ओ हादसा एतबा गहिर छाप छोडऩे अछि जे ओ बिनोद कए तकबा लेल वैशाखी क सहारा ल एखनो दरवाजा दिस दौर परित छथि। हुनका सेहो छह टा गोली लागल छल जाहि मे स दू टा गोली कमर मे, एकटा हाथ में आ एकटा पैर मे लागल छल।
फोटो रेखा सिन्हा

Tags: mumbai

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

पटना क भीड़भाड़ वाला इलाका मे लागत सीसीटीवी

Esamaad Epaper Website

इरकॉन बदललक अपन पेटी कॉन्ट्रैक्टर

Esamaad Epaper Website

रद्द नहि भेल अछि नदी जोड़बाक योजना : केंद्र

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि