• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

भ्रष्‍टाचार पर सुशासन क चोट

September 7, 2011
in संपादकीय, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

कुमुद सिंह
बिहार मे किछु त गप अछि, ओहिना एकरा लोक ‘बिहार’ नहि कहैत अछि। ‘एक बिहारी सौ बीमारी’ कहनिहार सेहो एहि स इनकार नहि करि सकैत छथि जे ‘सौ बीमारीक एक ईलाज’ बिहार मे होइत अछि। समस्‍या त सब ठाम जन्‍म लैत अछि, मुदा ओकर निराकरण बिहार स भेटैत अछि। चाहे समस्‍या सामाजिक हुए बा राजनीतिक। इतिहास गवाह अछि सबटा समस्‍याक निराकरण प्रकट या परोक्ष रूप से बिहार केलक अछि। आई भ्रष्टाचार क खिलाफ राष्ट्रव्यापी गूंज अछि। लोक एकरा स मुक्ति चाहबा लेल की की नहि करि रहल अछि। कियो व्‍यवस्‍था बदलबाक गप करि रहल अछि त कियो कानून बदलबाक नारा लगा रहल अछि। मुदा एहि व्‍यवस्‍था आ स्‍थापित कानून स बिहार एहि मोरचा पर मिसाल कायम करि देलक। बिहार इ साबित कए देलक जे लोकतांत्रिक तरीका स चुनल सरकार आ विधानमंडल स पारित कानून एहि समस्‍या कए मिटेबा लेल काफी अछि। पटना उच्च न्यायालय क आदेश स बिहार सरकार भारतीय प्रशासनिक सेवा (आइएएस) क भ्रष्‍ट अधिकारी शिवशंकर वर्मा क तीन मंजिला मकान कए जब्त करि लेलक। दू वर्ष पूर्व बिहार मे लागू भेल विशेष न्यायालय अधिनियम क पहिल कार्रवाई टा नहि छी, इ देश मे सहो पहिल मौका अछि जखन कोनो राज्य सरकार कोनो अफसर क संपत्ति कए एहि अंदाज मे जब्त केलक अछि। अगर केंद्र एहि कानून पर एक साल तक रोक नहि लगा रखने रहिते त इ परिणाम किछु दिन पहिने सामने आबि गेल रहिते। एहि मकान मे आब स्कूल खोलबाक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क सपना पूरा हेबाक रास्ता साफ भ गेल।
निश्चित रूप स इ भ्रष्टाचार क खिलाफ जारी जंग क पहिल सार्थक चरण छी। इ सेहो सत्‍य अछि जे भ्रष्‍टाचार आई मनुष्‍यक स्‍वभाव मे भ्रष्‍टाचार समा चुकल अछि। एहन मे अगर लोभ ओकरा भ्रष्‍ट बना रहल अछि, त डर ओकरा भ्रष्‍ट बनबा स रोकि सकैत अछि। एहि कार्रवाई क बाद आब लोक गड़बड़ी करबा स किछु डरताह। लोभ आ डर मे आब जंग होएत आ कानून जेतबा जल्‍द फैसला देत डर ओतबा बढैत, जीतैत जाएत। एहि एकटा फैसलाक असर आ संदेश समाजक हर तबका कए प्रभावित करत। एहन मकान मे जखन स्कूल खुलत आ ओकर सार्वजनिक उपयोग होएत तखन इ डर लोभ पर बहुत भारी भ जाएत।
लखनऊ मे मोहनलाल गंज तहसील क नगराम थाना क्षेत्र क गरहा गांव क मूल निवासी वर्मा क खिलाफ स्पेशल विजिलेंस यूनिट आय स बेसी संपत्ति अर्जित करबाक (डीए) मुकदमा दर्ज केने अछि। 6 जुलाई, 2007 कए हुनक घर पर पडल छापा मे लॉकर स नौ किलो सोना भेटल छल। आर बहुत किछु भेटल छल। एहि दौरान ओ लघु सिंचाई विभाग क सचिव छलाह। निगरानी क विशेष अदालत स आरोप सिद्ध भेलाक बाद वर्मा हाई कोर्ट मे राहत लेल याचिका दायर केलथि, मुदा कोनो फायदा नहि भेल। एहन नहि अछि जे वर्माक बाद एहन कार्रवाई निकट भविष्‍य मे आर ककरो पर नहि भ सकैत अछि। एहि प्रकारक कार्रवाई तलवार कई गोटा पर लटकि रहल अछि। जाहि मे नारायण मिश्रा, वाईके जायसवाल, रघुवंश कुंवर, सुधीर कुमार, मोतीलाल सिंह, अजय कुमार प्रसाद, रामनरेश सिंह, डीएन चौधरी, संजय सिंह, अनिल कुमार सिन्हा, अखिलेश कुमार शर्मा, नारायण मिश्रा, नंदकिशोर वर्मा, रामाशीष सिंह, विनय कुमार सिंह, डा. मो. जमालुद्दीन, त्रिभुवन राय, मदन प्रसाद श्रीवास्तव, भोला प्रसाद, ओमप्रकाश सिंह, मनोज मानकर, कपिलमुनि राय, गिरीश कुमार, रवींद्र प्रसाद सिंह, विजय कुमार चौरसिया, नागा राम, कालिका प्रसाद सिन्हा, श्रीकांत प्रसाद, सुरेश प्रसाद, वकील प्रसाद यादव, योगेंद्र कुमार सिंह, नरेश पासवान आ अवधेश प्रसाद शामिल छथि। हिनका सब पर आय स बेसी संपत्ति क मुकदमा भ चुकल अछि या ओकर तैयारी चलि रहल अछि। सवाल इ अछि जे बिहार क एहि शुरुआत कए देश ओहिना ग्रहण करत जेना आन निराकरण कए ग्रहण करैत आयल अछि। अगर देशक आन राज्‍य आ खास कए केंद्र मे अगर एहन कानून बनैत अछि त ककरो रामलीला मैदान मे अनशन करबाक जरूरत नहि रहत। लोकपाल जरूरी अछि, मुदा ओ एकमात्र विकल्‍प नहि अछि। इ कार्रवाई कम स कम इ त विश्‍वास दिया देलक अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

विदेश नीति मे राज्‍यक हिस्‍सा

दू अक्टूबर स शुरू होएत गंगा मे वॉटर स्पोर्टस

ज़ब्त बंगला मे खुलल पहिल सरकारी स्कूल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि