पटना। उप राष्ट्रपति हामिद अंसारी कहला अछि जे राजेंद्र बाबू कए बिसरब देश आ बिहार क हित मे नहि अछि। हुनका याद करब जरूरी अछि, मुदा मात्र स्मरण करब सेहो काफी नहि अछि, बल्कि जाहि बाट पर ओ चललाह, ओहि बाट कए अपनेबाक आवश्यकता अछि। युवा पीढ़ी क लेल इ विशेष रूप स जरूरी अछि। उप राष्ट्रपति अंसारी पटना मे प्रथम राष्ट्रपति डॉ राजेंद्र प्रसाद क 47 म पुण्यतिथि क मौका पर आयोजित समारोह कए संबोधित करि रहल छलाह। डॉ राजेंद्र प्रसाद क 125म जयंती पर वर्ष भरि चलैवाला आयोजन क तहत इ कार्यक्रम आयोजित छल। एहि मौका पर ओ डॉ राजेंद्र प्रसाद क स्मृति मे सौ आ पांच टका क सिक्का सेहो जारी केलथि। बिहार क राज्यपाल देवानंद कुंवर आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो एहि मौका पर अपन विचार रखलथि।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे राष्ट्र क निर्माण मे राजेंद्र बाबू क बहुत पैघ भूमिका रहल अछि। कखनो-कखनो एहि गपक पीड़ा होइत अछि जे एहन महापुरुष जे मात्र बिहार नहि बल्कि देश क धरोहर अछि, ओकर 125म जयंती केेवल बिहार मे मनाउल जा रहल अछि। की एकरा राजेंद्र बाबूक उपेक्षा नहि कहल जाए, की एहन कार्यक्रम समस्त देश मे नहि मनाउल जाए? ओना हमरा उम्मीद अछि जे देर स सही राष्ट्रीय स्तर पर एहि संबंध मे जरूर सोचल जाएत। हम त चाहब जे बिहार मे एकटा नहि अनेक राजेंद्र प्रसाद पैदा लथि। राजेंद्र बाबू स हर विद्यार्थी कए प्रेरणा लेबाक चाही।
मुख्यमंत्री कहला जे देश चाहे राजेंद्र बाबूक जेतबा उपेक्षा करए मुदा बिहार मे डॉ राजेंद्र प्रसाद क 125म जयंती सही ढंग स मनाउल जाइत। राजेंद्र बाबू क रचना सब फेर स मुद्रित कराउल जा रहल अछि। हुनका पर डाक्यूमेंट्री बनि रहल अछि। डॉ राजेंद्र प्रसाद क समाधिस्थल कए राजघाट आ शांतिवन जेकां विकसित करबाक योजना अछि। एहि पर काज आरंभ भ चुकल अछि
कला एवं संस्कृति विभाग क सचिव विवेक कुमार सिंह एहि मौका पर अतिथि कए डॉ राजेंद्र प्रसाद क स्मृति मे बनल पेंटिंग्स भेंट केलथि। एहि स पूर्व उप राष्ट्रपति डॉ राजेंद्र प्रसाद क समाधिस्थल पर जाकए हुनका अपन श्रद्धांजलि अर्पित केेलथि।