• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

रिटायरमेंट क दिन भ जाएत अंतिम हिसाब

August 6, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । आब रिटायर्ड कर्मी कए अपन अंतिम भुगतान लेल कार्यालयक चक्कर नहि काटबाक अछि। सरकार हुनका सब लेल पैघ राहत दैत सबटा विभागीय प्रधान कए सेवा क अंतिम दिन सब प्रकार क बकाया क भुगतान करबाक आदेश देलक अछि। जे व्यवस्था कैल गेल अछि ओकर हिसाब स रिटायर्ड कर्मी कए अपन पेंशन क निर्धारण लेल एजी आ प्रशासी विभाग क चक्कर लगेबा स मुक्ति भेट जाएत। मुख्य सचिव अनूप मुखर्जी सबटा विभागीय प्रमुख कए एक्शन प्लान बना कए सेवांत लाभ स संबंधित सब प्रकार क मामला कए निष्पादित करबाक आदेश देलथि अछि। सरकार क मानब अछि जे रिटायरमेंट लाभ क समय पर भुगतान नहि हेबा स हाइकोर्ट मे पैघ संख्या मे मुकदमे दर्ज भ रहल अछि। एहि देरी क चलते हाइकोर्ट अधिकतर मामला मे दंडात्मक दर स सूद आ मुकदमा खर्च भुगतान करबाक आदेश द रहल अछि। सरकारी कर्मचारी कए अपन वैध दावा लेल कोर्ट मे जायब मजबूरी भेल जा रहल अछि, इ सरकार लेल चिंता क विषय अछि। मुख्य सचिव अनूप मुखर्जी क मानब अछि जे गैर जवाबदेही आओर संवेदनशीलता क कमी, नियंत्री पदाधिकारी क शिथिलता आ लापरवाही क चलते पैघ संख्या मे हाइकोर्ट मे मामला दर्ज भ रहल अछि। जखकि पेंशन नियमावली आ सर्विस कोड मे प्रशासी विभाग/ विभागाध्यक्ष/ कार्यालय प्रधान कए रिटायरमेंट लाभ स संबंधित मामला कए निबटारा करबा लेल अधिकार प्राप्त अछि। मुख्य सचिव सबटा प्रधान सचिव, सचिव, विभागाध्यक्ष, सबटा प्रमंडलीय आयुक्‍त, डीजीपी, सबटा एडीजी, जोनल आइजी, डीआइजी, डीएम, एसपी आ डीडीसी कए निर्देशित केलथि अछि जे पेंशन स संबंधित मामला क निबटारा लेल अभियान शुरू करथि। अगिला छह माह हर माह क प्रथम शुक्र कए पेंशन सह भविष्य निधि अदालत लगाउल जाए आ ओहि मे पीड़ित कर्मी कए नोटिस द कए बजाउल जाए। सब कार्यालय प्रधान जतए स सेवानिवृत्ति लाभ क स्वीकृति हेबाक अछि ओहि ठाम रिटायरमेंट क 18 माह पूर्व स कार्रवाई शुरू करि देल जाए।
आदेश मे कहल गेल अछि जे रिटायर होइवाला कर्मी स अपेक्षा अछि जे ओ रिटायरमेंट क तिथि स छह माह पूर्व सबटा कागजात प्रशासी नियंत्री अधिकारी कए समर्पित करि दथि। विभागीय प्रमुख कए इ कहल गेल अछि जे ओ ओहन पदाधिकारी आ कर्मचारी कए विकास कार्य आदि क लेल कोनो एडवांस नहि दथि जिनका स वसूली मे कोनो परेशानी भ सकैत अछि। सितंबर मास मे सबटा कार्यालयीय प्रमुख कए इ प्रमाणपत्र देबाक अछि जे हुनका लग कोनो प्रकार क सेवांत लाभ स संबंधित मामला लंबित नहि अछि। जाहि पदाधिकारी क गलती स रिटायरमेंट क दिन कर्मी कए सेवांत लाभ नहि भेटल एहन मामला मे एहि लेल जिम्मेवारी तय कैल जाए आ हुनका स सूद क राशि क वसूली कैल जाए।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

दिल्ली मे मैथिली रंगकर्मक गतिविधि बढ़ल

Esamaad Epaper Website

फील्ड ड्यूटी स हटाउल गेलाह ‘सुस्त’ पुलिस अधिकारी

Esamaad Epaper Website

अपराध नियंत्रण लेल डिजिटल तकनीक अपना रहल अछि बिहार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि