• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

रेडियो स्टेशन शुरू भेल, टीवी क तैयारी

September 21, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

भागलपुर। बिहार कृषि विश्वविद्यालय क अधीनस्त कृषि विज्ञान केन्द्र, बाढ़ मे किसान क लेल कृषि आधारित रेडियो स्टेशन क शुरुआत करि देल गेल अछि। 48.50 लाख क लागत स तैयार रेडियो स्टेशन स किसान सब दिन सुबह-शाम एक-एक घंटा खेती-बारी स जुड़ल जानकारी प्राप्त करि सकताह। सूचना एवं प्रसारण मंत्रालय स रेडियो स्टेशन क लेल लाइसेंस भेट गेल अछि। रेडियो स्टेशन क लेल आधुनिक प्रसारण केन्द्र सेहो बनाउल जा रहल अछि। एकर अलावा सबौर मे सेहो 100 किलोमीटर प्रसारण क्षमता क रेडियो स्टेशन क प्रस्ताव अछि। एहि ठाम सेहो जल्द रेडियो स्टेशन चालू भ जाएत। रेडियो स्टेशन क बाद किसान क समस्या क जीवंत प्रसारण टीवी पर सेहो भ सकत। एकरा लेल कुलपति डॉ मेवालाल चौधरी क पहल रंग ल रहल अछि। हुनकर पहल पर कृषि मंत्रालय बिहार कृषि विश्वविद्यालय मे 4.50 करोड़ टका स स्थापित होइवाला टीवी सेंटर कए मंजूरी दैत राशि सेहो उपलब्ध करा देलक अछि। टीवी सेंटर मे किसानों क सुविधा क लेल आधुनिक सुविधा स लैस रिकार्डिग रूम आ स्टूडियो क स्थापना कैल जाएत। स्टूडियो मे सफल किसान क कहानी कए रिकार्ड करबाक अलावा टीवी सेंटर क कैमरा सीधा किसान क खेत पर जाकए हुनकर समस्या कए शूट करत। स्टूडियो मे बैसल वैज्ञानिक कैमरा क जरिए पौधा क बीमारी सहित किसान कए खेती-बारी मे आबैवाला समस्या क समाधान करताह। कुलपति कहला जे स्टूडियो मे एडिटिंग स लकए रिकार्डिग सहित अन्य सुविधा होएत। प्रथम चरण मे टीवी सेंटर स पांचटा कृषि विज्ञान केन्द्र कए जोडल जाएत। जतए किसान सेटेलाइट क जरिए अपन समस्याक निदान पाउताह। ओ कहला जे टीवी सेंटर क लेल अगर आओर राशि क जरूरत होएत त सेहो उपलब्ध कराउल जाएत।

Tags: bhagalpurBiharभागलपुर

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

खाद्य सुरक्षा मिशन मे बिहार अव्वल

गया मे विश्व प्रसिद्ध पितृपक्ष मेला शुरू

टेलीकॉम कंपनी आब बजाउत नक्सली इलाका मे घंटी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि