• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

विकास लेल भ रहल खामोश क्रांतिक अग्रदूत-2

July 19, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

आई पटना स ल कए अमेरिका तक बिहार क बदलाव चर्चा क विषय बनल अछि। पिछला लगभग पांच साल स नीतीश कुमार राज्यक मुखिया छथि। एकटा वर्ग एहि लेल हुनका श्रेय द रहल अछि। दोसर वर्ग सडक, बिजली आ उद्योग क हालत देखी विकासक गति मापबाक प्रयास करि रहल अछि। मुदा बिहार मे जे चुपचाप क्रांति भ रहल अछि ओकरा दिस ककरो ध्यान नहि जा रहल अछि। सच मानू त बिहार कए बदलिनिहार ओकर गाम आ शहर क लोक अछि जे बिना कोनो अखबार मे विज्ञापन निकाली अपन काज स अपन आ राज्यक सामाजिक आर्थिक आ राजनीतिक विकास कए रहल अछि। किया कि बिहारक मे जे बदलाव भ रहल अछि ओ कोनो एकटा नेता या एकटा तार्किक सिद्धांत क बल पर नहि भ सकैत अछि। समाद एहने किछु लोकक संबंध मे समय समय पर जानकारी दैत रहल अछि। एहि नव कडी मे प्रस्तुत अछि समदिया क तीन गोट खास रपट जाहि मे एहन बिहार नवनिर्माता क बारे मे बताउल गेल अछि जे अपनो नहि बुझि पाबि रहल अछि जे ओ राज्यक विकास लेल भ रहल खामोश क्रांतिक अग्रदूत छथि।

मुखिया जी करि देलथि कमाल
झंझारपुर (मधुबनी)।
इतिहासक राजा जेका आमतौर पर मुखिया क इमेज नीक नहि अछि, मुदा एकटा मुखिया एहनो छथि जे लोकक आंखिक नूर बनल छथि। सियासी कारनामा लेल नहि बल्कि उल्लेखनीय सेवा क कारण। जी हां, इ मुख्यिा छथि नरुआर निवासी सुजीत कुमार मिश्र। मिश्र झंझारपुर, फुलपरास आ निर्मली अनुमंडल क लाइफ लाइन कमला-बलान रेल सह सड़क पुल क जीर्णाेद्धार करवा कए समाज क सामने अद्भुत उदाहरण पेश केलथि अछि। ज्ञात हुए जे इ रेल सह सड़क पुल जर्जर भ गेल छल। रेलवे लाइन क टूटल पटरी मे फंसिकए रोज किछु न किछु हादसा होइत छल। नरूआर आ झंझारपुर बीच एहि पुल बंद भेला स झंझारपुर शेष बिहार स कटि जाइत अछि। दुर्भाग्य रहल जे जगन्नाथ मिश्र एहि क्षेत्र स विधायक होइत रहलाह आ तीन बेर मुख्यमंत्री भेलाह, मुदा एहि पुलक विकल्प त छोडू एकर मरम्मत तक करेबाक प्रयास नहि केलथि, रेल मंत्रालयक रहमोकरम पर एहि पुल स बस गाडी चलैत रहल। मुदा एकर मरम्मत नहि हेबा स इ खतरनाक बनि गेल छल। मुखिया बनलाक बाद सुजीत कुमार मिश्र एकर मरम्मत लेल रेलवे अधिकारी स कई बेर पत्राचार केलथि, मुदा कोनो कार्रवाई नहि भेल। अंत मे मिश्र रेलवे अधिकारी स पुल क ऊपरी हिस्सा क जीर्णाेद्धार करेबा लेल अभियंता क टीम आ कुशल कारीगर देबाक मांग केलथि। एकर बाद 9 जून कए अभियंता क टीम पहुंचल आ पटरी कए ठीक करबा मे जुटल । फेर मुखिया जी अपन टका खर्च करि सड़क क कालीकरण करा देलथि अछि। आब पुल पर वाहन सरपट दौड़ैत अछि। कमालक गप इ अछि जे इ पुल मुखिया जी क पंचायत मे नहि अबैत अछि। मुखिया क सामाजिक सरोकार स जुडल काज कए सर्वत्र प्रशंसा भ रहल अछि। मिश्र कहैत छथि इ आर्थिक रूप स संपन्न लोक लेल मैसेज अछि, जे अगर बिहार कए बदलबाक अछि त सरकारक भरोसे नहि रहबाक चाही।


ग्रामीण बना रहल छथि बांध
सीतामढ़ी ।
शासन, प्रशासन आ जनप्रतिनिधि क वादा खिलाफी स तंग आबि कए भिट्ठा धर्मपुर क ग्रामीण साढ़े तीन किमी लंबा बांध बनाकए एकटा नव मिसाल कायम केलथि अछि। पुपरी प्रखंड मुख्यालय स करीब सात किमी दूर एहि गाम क लोक क पहल पर पुपरी- सुरसंड पथ स्थित अधवारा नदी पर बीररबा मे बांध क निर्माण कराउल जा रहल अछि। बांध लगभग बनिकए तैयार भ चुकल अछि। ग्रामीण चंदा इकट्ठा करि दू मई स बांध निर्माण मे जुटल छथि। ग्रामीण एकरा लेल बांध निर्माण समिति क गठन सेहो करि रखने छथि। सबकए अलग-अलग जिम्मेदारी देल गेल अछि। ट्रैक्टर भाड़ा पर लेल गेल अछि। चंदा स जुटाउल गेल राशि स ट्रैक्टर आ किछु मजदूर कए मजदूरी सेहो देल जा रहल अछि। जे आर्थिक मदद देबा मे समर्थ नहि छथि ओ श्रमदान करि रहल छथि। एहि बांध निर्माण मे कुल 80-85 गोटे लागल छथि। बांध 15 फीट चौड़ा अछि। 75 दिन क भीतर तीन किमी बांध क निर्माण पूरा करि लेल गेल अछि। ग्रामीण क अनुसार 20 जुलाई तक बांध बनिकए तैयार भ जाएत।
ज्ञात हुए जे अधवारा नदी स मचल तबाही पर काबू पेबा लेल आ कृषि योग्य जमीन कए बचेबा लेल एहि बांध क निर्माण पुपरी क तत्कालीन विधायक हबीब अहमद बीरारी 1977 मे करौने छलाह। हुनकर नाम पर एकर नाम बीरारी पड़ल। बाद मे इ बीररबा क नाम स जानल गेल। निर्माण क बाद बीररबा, डुम्हारपट्टी, बउरा बाजितपुर, हरदिया, कुशैल, रामनगर, बेदौल, बलहा मधुसूदन पंचायत क संग-संग सुरसंड आ चोरौत प्रखंड क अलावा दरभंगा क जाले भरवाड़ा तक क जमीन सोना उगलए लागल, मुदा मरम्मत क अभाव मे बांध जर्जर भ गेल। फेर 1985 मे इ ध्वस्त भ गेल। नीतीश कुमार क सरकार बनलाक बाद लोक लगातार सरकार स गुहार लगबैत रहल, मुदा कियो नहि सुनलक। फेर की छल एक मई स मजबूत संकल्प क संग लोक खुद बांध निर्माण क बीड़ा उठा लेलक। एखन तक बांध निर्माण पर ढ़ाई लाख खर्च भ चुकल अछि।


..आओर मोड़ देलथि नदी क धार
नरकटियागंज (प.च.) । अगर बिहारी ठान लिए त किछु ओकरा लेल असंभव नहि अछि। गौनाहां प्रखंड क करीब आधा दर्जन गाम क लोक इंडो-नेपाल सीमा क भिखनाठोरी बॉर्डर पर किछु एहने करि देखेलक अछि। ग्रामीण उजली पहाड़ी क समीप सिंचाई क लेल पंडई नदी क धारा कए मोड़ि देलथि अछि। पहाड़ी नाला क रुख आब खेत दिस अछि आ एहि स सात सौ एकड़ भूमि मे सिचाई संभव भ सकल अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार क चीनी मिल बेचबा लेल नव नुस्खा!

शुरू भेल मानसून सत्र

शुरू भेल मानसून सत्र

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि