• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

विदेश नीति मे राज्‍यक हिस्‍सा

September 7, 2011
in संपादकीय, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

प्रीति सिंह
गठबंधन सरकारक असर कही या केंद्र क दिशाहीन विदेशनीतिक नतीजा, लेकिन इ जरूर देखा रहल अछि जे विदेशनीति मे राज्‍यक हिस्‍सा बढेबाक दबाव बढि रहल अछि। ओनाओ उदारिकरणक बाद आब नेहरू आ इंदिरा क दौर नहि रहल जखन दिल्ली एहि मसला पर अपन मर्जीक करि लैत छल। ओना ओहि समय मे सेहो राजीव गांधी श्रीलंका नीति पर तमिलनाडु कए नजरअंदाज नहि कए सकलाह, मुदा आब कोनो राज्‍य कए केंद्र आसानी स नजरअंदान नहि करि सकैत अछि। इ अगल गप अछि जे संविधान क तहत विदेश नीति निर्धारण पूर्णरूपेण केंद्र सरकार क जिम्मा अछि जाहि मे राज्य सरकार क कनियो टा भूमिका नहि अछि। मुदा जखन विदेश नीतिक असर कोनो विशेष राज्‍यक अर्थव्‍यवस्‍था पर पडत त व्‍यावहारिक तौर पर राज्‍य ओकर विरोध करत। जे भारत-बांग्लादेश तीस्ता नदी जल समझौता पर देखार भ गेल अछि। पश्चिम बंगाल क मुख्यमंत्री आ एकटा क्षेत्रीय दल तृणमूल कांग्रेस क मुखिया ममता बनर्जी केंद्र सरकार क प्रस्तावित समझौता पर अपन रजामंदी देबा स इनकार करि देलथि। इ त शुरुआत छी। तीस्ता पर बनर्जी क अड़ंगा पर राजनीति विज्ञानी, विदेश नीति आओर अंतरराष्टïरीय संबंध क विशेषज्ञ क अलावा भारतीय रणनीतिकार आ राजनयिक कए सक्रिय हेबाक चाही। विदेश नीति निर्माण आ ओकर कार्यान्वयन मे राज्य सरकार क भूमिका पर एक बेर फेर स विचार हेबाक चाही। जखन विदेश नीति कोनो राज्‍यक विकास कए प्रभावित करि रहल अछि त ओहि राज्‍यक राय महत्‍वपूर्ण भ जाइत अछि आ एहन मे अहां ओकरा नजरअंदान नहि कए सकैत छी। हम सब इ जनैत छी जे भारत सन संघीय आ महाद्वीपीय स्वरूप वाला देश मे जतए अलग-अलग क्षेत्रीय अतीत आ राजनीति रहल अछि, उपमहाद्वीप क इतिहास आ एहन दौर मे जतए क्षेत्रीय दलक समर्थन पर गठबंधन राजनीति क दौर जारी अछि ओहि ठाम विदेश नीति विशुद्घ रूप स कोनो एक दल केंद्रित सरकार क बपौती नहि अछि। पड़ोसी देश क संग द्विपक्षीय संबंध तय करबा मे सीमावर्ती राज्‍यक सेहो हिस्‍सा हेबाक चाही-श्रीलंका क संग तमिलनाडु, पाकिस्तान क संग पंजाब जम्मू-कश्मीर, बांग्लादेश क संग पश्चिम बंगाल, असम, मेघालय आ त्रिपुरा, त नेपाल क संग संबंध तय करबा मे उत्तर प्रदेश आओर बिहार क पक्ष सुनलाक बाद कोनो अंतिम फैसला हेबाक चाही।
केंद्रक सर्वाधिकार सिद्घांतत: ठीक अछि मुदा व्यावहारिक रूप स नहि। खास कए उदारिकरणक एहि दौर मे जखन गरीब आ विकासशील राज्‍य विकसित हेबा लेल प्रयासरत अछि। एहन परिस्थिति मे विदेश नीति पर एक बेर प्रभावित राज्‍यक विचार जरूर लेबाक चाही। किछु राज्‍यक अर्थव्यवस्था दूरस्थ देश पर निर्भर अछि। किछु राज्‍य अपन पर्यटनक विकास लेल कई देश स संबंध प्रगाढ करबाक प्रसास मे जुटल अछि। बुद्ध धर्म वाला देश स जेना संबंध स्‍थापित करबा काल बिहार कए नजरअंदाज करि देल जाइत रहल अछि ओना फारस/अरब क खाड़ी संग संबंध कए तय करबा काल केरल क हित क अनदेखी नहि होइत रहल अछि। मुदा आब बुद्ध धर्म वाला देश सने सेहो विदेश नीति तय करबा मे केंद्र अपन एकाधिकार क आड़ नहि ल सकैत अछि। सिंद्धांत जे कहे मुदा व्यावहारिक तौर पर केंद्र कए एहन मामला मे आब राज्‍य संग परामर्श करबाक चाही, संबंधित आ प्रभावित राज्‍य कए सूचित करबाक चाही। एक अधिक परामर्शीय प्रक्रिया हरदत मुश्किल राह आसान करैत अछि। वैश्‍वीक मंदीक एहि दौर मे राज्‍य स इतर केंद्र कए विदेश नीति क संदर्भ मे घरेलू कारोबार, विभिन्न हित समूह क प्रतिनिधि आओर अन्य मामला कए सेहो देखबाक चाही। भारतीय विदेश नीतिक मे राज्‍यक हिस्‍सा एहि लेल सेहो बढबाक चाही जे भारत विदेश नीति अमेरिका आ पाकिस्‍तान तक सिमटि कए रहि गेल अछि। राज्‍य संग मंथन आ विचार स भारतीय विदेशनीतिक दायरा सेहो दू देश स आगू बढत।

Tags: पश्चिम बंगालबिहारभारत-बांग्लादेश

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

दू अक्टूबर स शुरू होएत गंगा मे वॉटर स्पोर्टस

ज़ब्त बंगला मे खुलल पहिल सरकारी स्कूल

Esamaad Epaper Website

काज भेला पर आउत एसएमएस

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि