विधायक निधि खत्म भेलाक बाद आएल नव नियमावली
पटना । बिहार मे विधायक बाबू आब क्षेत्रीय विकास योजना क कर्ताधर्ता नहि रहलाह। हुनकर जगह राज्य मे क्षेत्रीय विकास क जिम्मेदारी खुद बिहार सरकार अपन कनहा पर ल लेलक अछि। राज्य क कैबिनेट एहि नव योजना क नियमावली कए मंजूरी द देलक अछि। संगहि, कैबिनेट राज्य मे सेवा क अधिकार कए लागू करबाक बाट सेहो साफ करि देलक।
कैबिनेट क बैठक क बाद मंत्रिमंडल सचिवालय विभाग क उप सचिव उपेंद्र कुमार कहला जे बिहार मे क्षेत्रीय विकास मे असंतुलन नहि हुए, एकरा लेल मुख्यमंत्री क्षेत्र विकास योजना तैयार कैल गेल अछि। मंत्रिमंडल एकरा लेल मार्गदर्शिका प्रारूप, दिशा निर्देश आओर प्रक्रियात्मक व्यवस्था कए स्वीकृति प्रदान करि देलथि अछि।’
ओ कहला जे आब राज्य मे विकास क लेल विधानसभा क्षेत्र कए इकाई क रूप मे नहि मानल जाएत। एकर जगह पर जिला क आधार पर काज होएत। एहि योजना क तहत पंचायत भवन, आंगनबाड़ी भवन, सड़क निर्माण जइसन काज आब एहि योजना क तहत होएत। एकरा लेल राज्य सरकार क योजना आ विकास विभाग नोडल एजेंसी क रूप मे काज करत, संगहि, एकर तहत काज कए चुनाव सेहो एकटा कमेटी क मार्फत होएत।
कुमार कहला जे एहि कमेटी क अध्यक्ष जिला क प्रभारी मंत्री हेताह। संगहि, एकर सदस्य मे जिला स चयनित विधायक आओर जिला स मनोनित विधान परिषद क सदस्य शामिल रहताह। संगहि, जिलाधिकारी समेत कई अन्य पदाधिकारी सेहो एकर सदस्य हेताह। एहि कमेटी क बैठक क दौरान योजना क चुनाव होएत आओर प्रशासन कए काज करबाक आदेश जारी कैल जाएत। एहि योजना क तहत कुल राशि मे स 85 फीसदी क इस्तेमाल गाम आ बाकी रकम स शहरी क्षेत्र मे विकास क काम होएत ।’ गौरतलब अछि जे विधायक या विधान पार्षद स्थानीय क्षेत्र विकास निधि कए बिहार सरकार एहि वित्त वर्ष स समाप्त करि देलक अछि।
दोसर दिस कैबिनेट अपन एकटा महत्वपूर्ण फैसला में सेवा क अधिकार कानून क बारे मे सेहो नियमावली कए मंजूरी द देलक।