पटना। बक्सर स राजद सांसद जगतानंद सिंह क एकटा पहल राज्य मे प्ररेणा स्रोत बनि गेल अछि। बक्सरक गाम क लड़की सबहक चेहरा खिलल अछि जिनकर सामने साइकिल स स्कूल जा परीक्षा पास त करि लेलथि मुदा कॉलेज दूर हेबाक कारण पढ़ाई बीच मे रोकबाक मजबूरी छल। यातायात क संसाधन क अभाव मे कॉलेज क शिक्षा लेबा स वंचित रहबा स आब इ सब बचि गेलीह अछि। सांसद बक्सर संसदीय क्षेत्र क ग्रामीण लड़की सब लेल कॉलेज एबा-जेबा लेल अपन संसदीय निधि स तीनटा नव बस क खरीद लेल टका देलथि अछि। इ बस एमवी कॉलेज बक्सर, डीके कॉलेज बक्सर क अलावा सुमित्रा महिला महाविद्यालय कए छात्रा लेल कीनल जा रहल अछि। बस खरीद लेल राशि उपलब्ध भ गेल अछि। सांसद कहला जे जखन ओ विधायक छलाह तखनो रामगढ़ मे स्कूल जेबा लेल छात्रा सब कए बस उपलब्ध करौने छलाह। तीनू बसक संचालन क जिम्मा कॉलेज प्रबंधन, अभिभावक आ लाभार्थी क रहत। जगदा बाबूक इ पहल नीक अछि। आइ बक्सर संसदीय क्षेत्र इकलौता अछि, जतय एहन सेवा शुरू भ रहल अछि। मुदा आशा अछि आन ठाम सेहो एहने सेवा शीघ्र शुरू भ सकत। हां इसे शुरू किया गया है। उन्होंने बताया कि विधायक रूप में भी जगतानंद सिंह ने स्कूली छात्राओं के लिए मिनी बस सेवा शुरू करायी थी जो आज भी सफलता पूर्वक चल रही है। अमूमन हाईस्कूल तक तो लड़कियां साइकिल से चली जाती हैं, लेकिन शहर के कालेज तक जाने में उन्हें दिक्कत होती है। इसी आधार पर यह व्यवस्था की गयी है। सांसद ने एक करोड़ रुपये की राशि ट्रांसफार्मर की खरीद के लिए भी आवंटित की है।
 
			 
		    



 
                                

