• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

स्‍थायी भ जाए इ दू दिनक संस्‍कार

November 3, 2011
in संपादकीय, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

छठि क मौका पर समस्‍त बिहारक एक प्रकार स संस्‍कार बदलि जाइत अछि। दू दिनक इ बदलल संस्‍कार अगर स्‍थायी भ जाए त बिहार दुनिया क सबस संस्‍कारी समाज भ जाएत, मुदा इ संभव नहि भ सकल अछि। समाजशास्‍त्री लोकनि कए कहब अछि जे हर पर्वक एकटा विशेषता होइत अछि आ छठि क विशेषता अछि जे इ लोकक संस्‍कार बदलि दैत अछि। जेना होली क हुड़दंग देखि गंभीर लोक सेहो ओहि मे शामिल भ जाइत छथि, तहिना छठि क मौका पर असंस्‍कारी सेहो संस्‍कारी भ जाइत अछि। छठ महापर्व पर माहौल बिना कोनो पहल केने पवित्र भ जाइत अछि। घरक चिनवार स ल कए पोखरिक घाट तक सूचिताक एहन प्रमाण आन दिन भेटब सपना अछि। जाहि सडक पर आन दिन गंदगीक अंबार रहैत अछि, ओहि सडक कए साफ करबा लेल एक दोसर स प्रतियोगिता होइत रहैत अछि। सेवा भाव अपने मुखर भ जाइत अछि आ लोक अधिकार स बेसी कर्तव्‍य दिस ध्‍यान दैत चल जाइत अछि। पूजा समिति क कार्यकर्ता होएथि या सरकारी अधिकारी एहि दू दिन हिनक विनम्रता देख हृदय गदगद भ जाइत अछि। आम जन मे उत्‍पन्‍न जिम्मेदारी क बोध पूरा समाज कए स्‍वरूप बदलि दैत अछि। इ बदलल स्‍वरूप देखि इच्‍छा प्रबल होइत अछि जे एकरा स्थायित्व प्रदान कैल जाए। छठ पर प्रशासन चैतन्य रहैत अछि, आम जन क व्यवहार आदर्श भ जाइत अछि आ पूजा समिति क कार्यकर्ता क दमदार भूमिका हुनक उपयोगिता कए प्रमाणित करैत अछि। आम लोक क सोच एतबा बदलि जाइत अछि जे बिना कोनो कानून आ निर्देश कए ओ अपन भूमिका मे बदलाव करि लैत छथि। जे लोक छठि व्रत नहि होइत छथि ओ व्रति लेल बाट छोडि दैत छथि। इ ओ लोक छथि जे आन दिन मरैत मरीज कए ल जाइ वाला एंबुलेंस लेल सेहो बाट छोडबा लेल तैयार नहि होइत छथि। अपन सामाजिक जिम्‍मेदारी कए पूरा करबा लेल लोक अपन बच्‍चा क संग दोसर बच्‍चा कए सेहो पटाखा स बचबाक आ एम्‍हर-ओम्‍हर नहि जेबाक नसीहत दैत रहैत छथि। बिना कोनो सूचना पट देखने लोक स्‍वत: जूता, चप्पल उतारि घाट पर जाइत अछि। बिना कोनो अनुरोध क घाट पर बालू मे फंसल गाडी कए धक्का देबा लेल सामने अबैत छथि। आखिर लोकक व्यवहार मे एतबा विनम्रता कोना अबैत अछि। आम जन आओर समिति क कार्यकर्ता क संग प्रशासनिक अधिकारीक एहन आदर्श व्यवहार कोना भ जाइत अछि। अगर इ छठि मैया क प्रभाव छी त नीक होएत जे इ संस्कृति स्थायी भ जाए।

Tags: Biharchaathpatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार मे खुलत महिला थाना

Esamaad Epaper Website

आखिर बिहार पुलिस कए भेटल उड़नखटोला

Esamaad Epaper Website

मुख्यमंत्री नौ नवंबर कए निकलताह सेवा यात्रा पर

Comments 1

  1. Shyam says:
    9 years ago

    बहुत मत्वपूर्ण सवाल अछि ई जे धार्मिक उत्सव ओ त्यौहार क’ इस्तेमाल सामाजिक समस्याक प्रति जनजागृति के लेल केना कैल जाय? एहि लेल ज़रूरी अछि जे एकता सुचिंतित परियोजना पर धीरतापूर्वक कार्य कैल जाय।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि