पटना। अंतरराष्ट्रीय बौद्ध धर्म सम्मेलन नालंदा मे शनिदिन स शुरू भ रहल अछि। एहि कार्यक्रम क मुख्य उद्देश्य भारत खास क बिहार मे पर्यटन क संभावना ताकब आ इतिहास क बारे मे आओर बेसी जानकारी प्राप्त करब अछि। राज्य पर्यटन विकास विभाग क प्रधान सचिव रश्मि वर्मा कहलथि, ‘बिहार आ केन्द्र सरकार क पर्यटन मंत्रालय आ नव नालंदा विहार द्वारा आयोजित एहि धर्म सम्मेलन मे ढाई दर्जन देश क 300 स बेसी विद्वान भाग लेताह।Óओ दावा कलथि जे इ धर्मसम्मेलन ग्रामीण क्षेत्र मे पर्यावरण कए बढ़ावा देबा मे काफी सहायक सिद्ध होएत।