बिहारशरीफ । अगिला साल हरनौत अवस्थित रेलवे कोच कारखाना मे बोगी निर्माण शुरू भ जाएत। एकर अलावा नालंदा आ राज्य क अन्य क्षेत्र मे मंथर गति स चलि रहल सबटा रेल परियोजना मे बरसात क मौसम मे सेहो काज चलैत रहत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राज्य मे चलि रहल रेल परियोजनाक समीक्षाक उपरांत इ साफ केलथि। राजगीर मे राजगीर-तिलैया रेलवे लाइन क शुभारंभ क बाद जखन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार विशेष ट्रेन स पटना लौट रहल छलाह,त एहि दौरान ओ सैलून मे रेलवे क वरीय पदाधिकारी क संग लम्बा मंत्रणा केलथि। एहि मंत्रणा मे पूर्व मध्य रेलवे क महाप्रबंधक ए.पी. मिश्रा, ए.जी.एम. वरुण भरथुआर, सी.ए.ओ. मधुरेश कुमार आ डी.आर.एम. ज्ञान प्रकाश श्रीवास्तव, मुख्यमंत्री सचिवालय क सचिव चंचल कुमार, सिद्धार्थ कुमार क अलावा कई टा पदाधिकारी भाग लेलथि। बैठक मे चालू रेल परियोजना मे बरसात क दौरान युद्धस्तर स काज हुए, एकरा लेल रणनीति बनाउल गेल। रेलवे क पदाधिकारी कहला जे हरनौत रेल कोच कारखाना कए एहि साल दिसम्बर माह मे चालू करबाक लक्ष्य राखल गेल छल। मुदा तकनीकी आ वित्तीय परेशानी क कारण आब इ कारखाना अगिला साल क शुरुआती महीना मे चालू भ जाएत। नालंदा मे रेलवे क अन्य लंबित योजना मे इसलामपुर-नटेसर, दनियावां-बिहारशरीफ, नेउरा-दनियावां, बिहारशरीफ-बरबीघा, बरबीघा-शेखपुरा, गया-नटेसर, पावापुरी-नवादा, हरनौत रेल कोच कारखाना आ बिहारशरीफ स फल-सब्जी आ दूध क परिवहन लेल वातानुकूलित बॉगी क शुरुआत शामिल अछि। एहि सब परियोजना क कार्यान्वयन पर विस्तृत चर्चा भेल।