पटना। बिहार मे भ्रष्टाचार क खिलाफ अभियान चला रहल सीएम नीतीश कुमार कए हुनकर सिपाह-सलार तगड़ा झटका द रहल छथि। सरकार ग्रेड एक स लकए ग्रेड तीन क अधिकारी आ कर्मचारी कए सेहो अपन संपत्ति क ब्योरा देबा लेल कहने अछि। मुदा अधिकारीक कहब अछि जे एकर जानकारी देलाक बाद हुनकर जान पर खतरा बढि जाएत। बिहार क तमाम मंत्री आ विधायक पहिने अपन जमीन जायदाद क जानकारी सार्वजनिक करि चुकल छथि। एतबे नहि, नीतीश पारदर्शिता अनबा लेल विधायक निधि कए सेहो खत्म करि देलथि अछि। मुदा अधिकारीक एहि डर स इ पता चलैत अछि जे बिहार मे अधिकारी स्तर पर एकता भ्रष्टाचार भ चुकल अछि जेकर खुलासा स हंगामाक डर अधिकारी लोकनि कए भ रहल अछि।
दरअसल काला धन आ भ्रष्टाचार पर नकेल कसबा लेल बिहार सरकार सबटा अधिकारी कए संपत्ति सार्वजनिक करबा लेल कहने अछि। मुदा बिहार क आला अधिकारी अपन संपत्ति सार्वजनिक नहि करबा चाहैत छी। अधिकारी क तर्क अछि जे अगर हुनकर संपत्ति क पता सबकए चलि जाएत त हुनकर रोड पर चलबा तक मे खतरा होएत।
सरकार ओना त आईएएस आ आईपीएस अधिकारी कए सेहो 28 फरवरी तक जानकारी सौंपबा लेल कहने छल, मुदा अधिकारी माफिया क खौफ देखा एकरा सामने नहि आनि रहल छथि। हुनका लागि रहल अछि जे संपत्ति क जानकारी सार्वजनिक करबा स महंग पड़ि जाएत।
सूत्र क मानि त एहि विवाद कए लकए आईएएस अधिकारी क एकटा प्रतिनिधि मंडल सीएम स सेहो भेंट केने छल। ओ अपने डर कए सीएम कए बतेलक, मुदा सीएम हुनकर डर कए साफ तौर पर बहाना बता मांग ठुकरा देलाह। नीतीश कुमार क कहब छल जे अधिकारी भ्रष्ट तरीका स संपत्ति जुटेने छथि ताहि डरा रहल छथि, ओ संपत्तिक खुलासा करथि बा नहि करथि हुनका पर कार्रवाई तय अछि।
मुख्यमंत्री कहला जे वेतन उठेबाक अछि त संपत्ति क खुलासा करू, नहि त सरकार अपन नीति क तहत आगू बढत। आब देखबाक अछि जे की आला अधिकारी एकर पालन करैत छथि या फेर सीएम कए झुकेबा लेल कोनो आन हथियार उठबैत छथि।