• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

अपन वजूद लेल संघर्षरत अछि मुग़ल सल्तनतक आखरी कब्र

April 28, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

विजय कुमार श्रीवास्‍तव
दरभंगा । दरभंगा अपन कण कण मे इतिहास समेटने अछि। मुग़ल सल्तनत क आखिरी तीटा चिराग दफ़न अछि। दरभंगा शहर क बीचोबीच स्थित दिग्घी पोखर क महार पर बहदुरशाह जफ़र क पोता जे (बहादुर शाह ज़फर क पुत्र दारा बख्त क बेटा छलाह) शहजादा जुबैरुदीन क कब्र अछि। अगर 1857 क गदर असफल नहि होइत त ओ हिंदुस्तान क बादशाह होइतथि। आखिरी मुग़ल बादशाह बहादुर शाह जफ़र क पोता हुनकर बेगम आ हुनकर छोट बेटा दिल्‍ली स भागि दरभंगा आबि गेल छलाह आ राज दरभंगाक शरण मे जीवन क अंतिम दिन बितेलाह। हुनकर मजार आइ बद इन्तजामी क शिकार भ कए मिटबाक कगार पर अछि।

 दरभंगा शहर क बदहाली कहल जा सकैत अछि जे अपन कण कण मे इतिहास समेटबाक बावजूद शहर उदासीनता क वजह स देश क पर्यटन क नक्‍शा पर आइ धरि अपन मौजूदगी दर्ज नहि करा सकल अछि। सन 1556 मे मुग़ल बादशाह अकबर अपन राज पुरोहित महेश ठाकुर कए दरभंगा क राज दान मे देने छलाह आओर राज वंश आखिर तक एहि दान क मान रखने रहलाह। सन 1857 क असफल ग़दर क बाद मुग़ल वंश क आखिरी चिराग शहजादा जुबैरुदीन अपन परिवार क संग दिल्‍ली से भागि बनारस पहुंचलाह। मुदा हुनकर माली हालत बहुत खराब छल। इ देख 17 मार्च, 1881 कए तत्कालीन दरभंगा महाराज लक्ष्मेश्वर सिंह हुनका आदर क संग दरभंगा आनि लेलथि । अंग्रेजक विरोधक बावजूद महाराज हुनकर सम्‍मान मे कतहु कौताही नहि केलथि। शहजादा जुबैरुद्दीन क परिवार दरभंगा क भ कए रहि गेल। वर्ष 1902 मे जुबैरुद्दीन क दूटा बेटा हैजा स मरि गेलाह। ओहि साल हुनकर कनिया सेहो गुजरि गेलीह। 1909 मे जुबैरुद्दीन क सेहो देहांत भ गेल। शहर क दिग्घी पोखरि क महार पर एहि परिवार क मजार अछि जे बहुत खराब स्थिति मे अछि। एकर देख भाल पर न त पुरातत्व विभाग आ न कोनो संस्था क ध्यान एखन धरि गेल अछि।

महाराजा लक्ष्मेश्वर सिंह इ जानैत छलाह जे अगर 1857 क गदर अगर सफल भ जइतए त मुगल सल्तनत किछु दिन तक आओर कायम रहितए। एहि लिहाज स शहजादा जुबैरुद्दीन हिंदुस्तान क बादशाह हेबाक हक रखैत छलाह। ताहि लेल महाराजा जुबैरुद्दीन आओर हुनकर परिवार कए दरभंगा क राज अतिथि क दर्जा देने छलाह, जाहि लेल अंग्रेज स हुनका काफी मतभेद रहल। महाराज हुनका लेल नव मकान बनेलथि आ हुनकर हर सुख क ख्याल रखबा लेल नौकर चाकर सेहो देलथि। महाराजा लक्ष्मेश्वर क मरणोपरांत दरभंगा क महाराज रामेश्‍वर सिंह आ हुनकर पुत्र डा सर कामेश्‍वर सिंह सेहो एहि परम्परा कए कायम रखलथि। शहजादा जुबैरुद्दीन अपने इतिहासकार छलाह ताहि लेल इ गप लिखित रूप मे उपलब्‍ध अछि। ओ दरभंगा मे रहि कए कुल छह टा किताब लिखलथि जे मुगल सल्तनत क आंतरिक स्थिति पर काफी जानकारी दैत अछि। हुनकर लिखल किताब मे स एकटा किताब यात्रा वृतांत मौजे सुल्तानी काफी चर्चित रहल अछि। एहि मे मुगल साम्राज्य आओर राज दरभंगा क इतिहास संस्मरण शैली मे दर्ज अछि।

Tags: Bihardarbhangamugal

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिजली कीनबा लेल बोर्ड कए भेटल 1080 करोड

Esamaad Epaper Website

मधेपुरा -मुरलीगंज क बीच दिसंबर स गाडी क परिचालन

Esamaad Epaper Website

बिहार मे पोलियो क कोनो नव मामला नहि

Comments 1

  1. पंकज झा. says:
    14 years ago

    सुन्दर जानकारी.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि