पटना। पटना रेलवे स्टेशन क बीच बांकीपुर जेल परिसर क जमीन पर बनि रहल बुद्ध स्मृति पार्क एहि साल अप्रैल तक पूरा भ जाएत। निर्माण काज कए निरीक्षण करबाक बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलथि जे महात्मा बुद्ध क 2550 म महापरिनिर्वाण वर्ष क स्मृति क समय इ पार्क बनि कए तैयार भ जाएत। 150 करोड़ टका क लागत स बनि रहल इ पार्क बुद्धिस्ट कांसेप्ट पर आधारित अछि। पार्क क भीतर एक टा बहुत पैघ स्तूप बनाउल जा रहल अछि। इ महात्मा बुद्ध क 2550 म महापरिनिर्वाण वर्ष क स्मृति क प्रतीक होएत। स्तूप क चारो दिस मेडिटेशन सेंटर बनाउल जा रहल अछि, जेहि ठाम लोक एकाग्र भ कए ध्यान आ साधना करि सकत।
जाहि जमीन पर बुद्ध स्मृति पार्क क निर्माण कराउल जा रहल अछि, ओहि ठाम पहिने बांकीपुर सेंट्रल जेल छल। ऐतिहासिक दृष्टि स एकर काफी महत्व अछि। स्वतंत्रता संग्राम क दौरान कईटा महान स्वतंत्रता सेनानी कए एहि ठाम रखल गेल छल। हुनकर स्मृति मे जेल क एक टा दीवार कए सुरक्षित रखल जाएत। वाच टावर संगे एकर किछु हिस्सा कए सुरक्षित रखबाक अछि। एकरा कलात्मक ढंग स प्रदर्शित करबाक सेहो योजना अछि। एकर पाछु इ भावना अछि जे अबै वाला पीढ़ी अपन पूर्वज क त्याग आ बलिदान क गाथा कए जनैत रहै।